विराटनगर । मोरङके जहदा गाउँपालिकामे सम्पन्न ‘अध्यक्ष कप क्रिकेट टुर्नामेन्ट–२०७८’ के उपाधि जहदा–४ हासिल कएने अछि ।

फाईनल खेलमें आयोजक लक्ष्मिनिया युवा क्लबके १५ रनसँ पराजित करैत जहदा–४ टुर्नामेन्टमें विजेताके उपाधि हासिल कएने अछि । टस जितक ब्याटिङ केनिहार जहदा–४ निर्धारित २० मध्य १९ ओभरके प्रगतिमें सब विकेट गुमाक १६५ रनके स्कोर बनएने छल ।

जहदा–४ के लेल रबिन मण्डल सर्वाधिक ४९ रन, बिशाल मण्डल २७, सुमन राजवंशी १९, महेश मण्डल १५, निरज गौतम १३ आ चन्दन सिंह १० रन बनएने छलथि । जहदा–४ के लेल अमोद मण्डल ३ विकेट तथा रबिन आ चन्दन २-२ तथा सुमन राजवंशी १ विकेट लेने छलथि ।

१६६ रनके लक्ष्य पछुआरहल लक्ष्मिनिया युवा क्लब १७ म ओभरके प्रगतिमें सब विकट गुमाक १५१ रनमें सिमित भेल छल । क्लबके तर्फसँ अभिषेक सिंह सर्वाधिक ६४ रन, श्यामसुन्दर मण्डल ३२, अभिषेक साह १७ आ बलराम कामत १० रनके योगदान देने छलथि ।

लक्ष्मिनिया युवा क्लबके बलराम कामत २ विकेट, निरञ्जन अधिकारी आ श्यामसुन्दर मण्डल २-२ तथा अभिषेक सिंह, अङ्कित सिंह राजपुत आ जयकिशोर यादव १-१ विकेट लेने छलथि । खेलके ‘म्यान अफदि म्याच’ विजेता जहदा–४ के रबिन मण्डल भेलथि ।

तहिना टुर्नामेन्टके ‘म्यान अफदि सिरिज’ उप–विजेता लक्ष्मिनिया युवा क्लबके अभिषेक सिंह, बेस्ट बलर ओहि क्लबके निरञ्जन अधिकारी, बेस्ट क्याच विजेता टीम जहदा–४ के विशाल मण्डल आ बेस्ट फिल्डर सैह टिमके चन्दन सिंह घोषित भेलथि ।

शनिदिन सम्पन्न भेल फाईनल खेलमें बिजेता भेल जहदा–४ मेडल आ प्रमाणपत्र सहित नगद ३१ हजार रुपैया तथा उपविजेता भेल लक्ष्मिनिया युवा क्लब मेडल आ प्रमाणपत्र सहित नगद २१ हजार पुरस्कार प्राप्त कएलक प्रदेश नं. १ सरकारके स्वास्थ्य मन्त्री जयराम यादव तथा जहदा गाउँपालिकाके अध्यक्ष कैलाश प्रसाद मण्डल विजेता आ उपविजेता टिमके पुरस्कृत कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु