विराटनगर २ बैशाख । नवबर्ष २०७९,सिरुवा आ जुडशितल पर्वके अवसरपर विराटनगरमें भब्य मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन कएलगेल अछि ।

विराटनगर–१ के बिजयपुर टोलमें कार्यक्रम आयोजन कएलगेल अछि । मिथिलेश्वरी मिडिया प्रालि आ विराटनगर १ यूवा समुहको संयुक्त आयोजनामें कएलगेल कार्यक्रममें राष्ट्रियस्तरके कलाकारसहित सुनसरी–मोरङके चर्चित गायक तथा कलाकासबहक प्रस्तुति समेटलगेल छल ।

प्रतिनिधि सभा सदस्य एवम पुर्वमन्त्री शिवकुमार मण्डलके प्रमुख आतिथ्यमें कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि । कार्यक्रमकबीच मैथिली,नेपाली सहित विभिन्न भाषासबके कालजयी गीत गाबिक प्रसिद्धि हासिल केनिहार गायक रामा मण्डल अपन चर्चित गीतसब प्रस्तुत कएलनि ।

ओ नेपाली सिनेमामें अपनाद्वारा गाएल सुपरहिट गीत ‘कहाँ छौ कहाँ’ आ मैथिली भाषाके गीत ‘हमरे डाला पनपथियासँ’ लगायतक गीत दर्शक सोझा प्रस्तुत कएलनि । तहिना युवा गायक विरेन्द्र झा ‘इजोरियाके चान देखलहुँ’ सहितक अपन गाएल गीतसब प्रस्तुत कएलनि । तहिना नितिन गजुरेल मैथिली तथा नेपाली भाषाके आ बिजय कामत मैथिली गीत प्रस्तुत कएलनि ।

ओहि अवसरमें विराट जागृति नृत्य कला केन्द्रके कलाकार टिम मैथिली सांस्कृतिक नृत्यसब जटजटिन,झिझिया आ डोमकच्छ लगायतक पस्तुति राखिक उपस्थित दर्शकके मन जितने छल । कार्यक्रममें दुहबीके रोशन कर्ण,लक्ष्मी कर्ण आ राजविराजक आदित्य अजय लगायतक कलाकार लोकनि सेहो नृत्य तथा गायन प्रस्तुत कएलनि ।

कार्यक्रममें शुभकामना मनतब्य रखैत कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि मण्डल वर्तमान संबिधानमें मैथिली भाषासहित देशमें बाजल जाएबला आन भाषासबके सेहो राष्ट्रिय भाषाके मान्यता भेटल बतौलनि । एम्हर आबिक मैथिली भाषाके कमजोर करएलेल विभिन्न षडयन्त्रसब भरहलासँ भाषा संरक्षणप्रति सजग होबलेल सहभागिसबके आग्रह कएलनि ।

कार्यक्रमक बिशिष्ठ अतिथि प्रदेश एकके स्वास्थयमन्त्री जयराम यादव जन्मधर्ती,मातृभाषा आ अपन संस्कृति संरक्षण केनाई मानवके पहिल कर्तब्य रहल बातक विचार रखलनि । ओहि अवसरमें बजनिहार युवा राजनितिकर्मीद्वय उमेश यादव आ भोगेन्द्र यादव,मैथिली अनलाइनके प्रबन्ध निर्देशक पंकज बर्मा,मैथिल अभियानी डाक्टर नवीन कर्ण,समाजशास्त्री चन्द्रप्रसाद तिम्सिना,साहित्यकार खेम नेपाली तथा मैथिली अभियानी बसुन्धरा झा तथा प्रवीणनारायण चौधरी सहितके वक्तासब मैथिली भाषाके संरक्षण आ प्रर्बधनहेतु थप पहल आवश्यक रहल बतौनेछलथि ।

यूवा पुस्ताके अपन भाषा संस्कृतिप्रति जागरुक बनाबहेतु कार्यक्रम कएलगेल मिथिलेश्वरी मिडियाके अध्यक्ष नवीन कर्ण बतौनेछथि । विजयपुर टोलमें अहिबेर दोसर संस्करणके रुपमें मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम कएलगेल आ एकरा निरन्तरता देलजाएत विराटनगर १ युवा समुहके अगुवा जय कामत जानकारी देनेछथि । कार्यक्रममें मंच संचालन मैथिली युवा अभियानी प्रकाश प्रेमी कएनेछलथि ।

कार्यक्रम सफलतापुर्वक संचालन करएलेल विराटनगर १ यूवा समुहमें सुरेश कामत,सुरेश मण्डल,अमित चौधरी,सुनिल कामत,गोबिन्द कुमार आ रामु कामत (केके) लगायतक यूवासब समुह गठन कक जुटल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु