विराटनगर २९ चैत । मोरङके जहदा गाउँपालिका–१ लंकाटोलसँ अबैध लागुऔषध गाँजा सहित १ गोटेके प्रहरी नियन्त्रणमें लेने अछि ।

पकरलगेल ब्यक्ती सैहठामक ३२ बर्षिय मुन्ना मलाह रहल अछि । २६ गतेके दुपहरिया अस्थायी प्रहरी चौकी भेडियारीसँ खटल प्रहरी टोली मलाहके नियन्त्रणमें लेने छल ।

नेपालसँ चोरीतस्करी कक भारतदिस गाँजा लजारहल अवस्थामें प्रहरी मलाहके नियन्त्रणमें लेलक बताओलगेल अछि । ओकरा संगसँ १४ किलो गाँजा बरामद भेल १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालय विराटनगरक प्रहरी प्रवक्ता नविनराज राई जानकारी देनेछथि ।

गाँजा सहित पकरलगेल मलाहके ईलाका प्रहरी कार्यालय रानी मार्फत म्याद थप कक थप अनुसन्धान कएलजारहल ओ जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु