रंगेली २८ चैत । नेपालकलेल यामाहा मोटरसाइकिलके आधिकारिक बिक्रेता एमएडब्लु इन्टरप्राइजेज मोरङके रंगेलीमें अपन नया शोरुम सञ्चालनमें लाएल अछि ।

आकृति अटो टेर्डस मार्फत एमएडब्लु, ग्राहकसबके ‘थ्री एस’ के सुविधा प्रदान करएके हिसाबसँ रबिदिनसँ अपन नयाँ शोरुम सञ्चालनमें लाएल अछि । शोरुम रंगेली नगरपालिका बगलमें अवस्थित अछि । रंगेली नगरपालिकाके समेटके हिसाबसँ सञ्चालनमें आएल शोरुमसँ ग्राहकके सेल्स, सर्भिस आ स्पेयर पार्टसके सुविधा प्राप्त होएत शोरुमके सञ्चालक विरेन्द्र कुमार साह बतौनेछथि ।

रंगेली नगरपालिका आ अगलबगलके क्षेत्रमें क्षेत्रमें यामाहा कम्पनीके मोटरसाइकिल तथा स्कुटरके बढैतगेल मागके दृष्टिगत कक शोरुम सञ्चालन कएलगेल ओ जानकारी देनेछथि । आकृति अटो टे«र्डसमार्फत ग्राहकके विश्वस्तरीय प्रविधि जडित यामाहाके लोकप्रिय मोटरसाइकिल आ स्कुटरसबके ‘थ्री एस’ सहित एक्सचेन्ज आ फाइनान्सके सुविधा भेटत बताओलगेल अछि ।

विश्व परिचित आ विश्वसनीय मोटरसाइकिल ब्राण्डके पहचान बनाचुकल यामाहा हाल नेपाली बजारके माग आ आवश्यकताके सम्बोधन करैत विभिन्न भेरिएन्टके मोटरसाईकिल आ स्कुटर बेचैत आएल अछि । रंगेलीमें सञ्चालनमें आएल शोरुममें हाल यामाहाके फेसिनो, रे–जेडआर आ रे–जेडर ब्राण्डक स्कुटर तथा आरवन फाईभ, एफ जेड–२५, एफजेडएस भी थ्री, एफजेड एस भी टु, एफजेड भी टु, एसजेड आरआर आ स्यालुटो कक आधा दर्जनसँ बेसी ब्राण्डक मोटरसाईकलसब उपलब्ध रहल बताओलगेल अछि ।

शोरुमसँ रंगेलीके २२ किलोमिटर क्षेत्रमें रहनिहार नागरिकसबके लक्षित करैत फाईनान्समें सेहो मोटरसाईकल तथा स्कुटर खरिदके व्यवस्था कएलगेल अछि । ३ करोडके लगानीमें शोरुम संचालनमें आएल बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु