विराटनगर २७ चैत । विराटनगरमें आयोजना भेल विराट ट्रेड एक्सपो अभुतपुर्व सफलताकसंग सम्पन भेल अछि । चैत १८ गतेसँ शुरु भेल एक्सपो रबिदिन समापन भेल अछि ।

प्रदेश एकके मुख्यमन्त्री राजेन्द्र राईके प्रमुख आतिथ्यमें एकटा कार्यक्रमके आयोजन कक औपचारिकरुपमें आयोजक मोरङ ब्यापार संघ एक्सपोके समापन कएने अछि । अहिसँ पहिने चैत १८ सँ २६ गतेतक एम्सपोके तिथि निर्धारण कएलगेलोपर दर्शकसबहक आग्रहपर आयोजक समिति १ दिन थप कक चैत २७ गते एक्सपो समापन कएने अछि ।

समापनके अवसरपर मला आयोजनमें सहयोग केनिहार ब्यक्तीत्वसबके सम्मान कएलगेल अछि । कार्यक्रमकबीच मेलामें विभिन्न प्रकारसँ उत्कृष्ट रहल स्टलसबके प्रशंसापत्र सेहो प्रदान कएलगेल अछि । जाहिमें उत्कृष्ट प्रोडक्टकेरुपमे हाइटेक कार्पेट प्रालि आ बेस्ट स्टलकेरुपमें केशरीचन्द भँवरलाल आ हिमगिरि सोप इण्डस्ट्रीजके प्रशंसा पत्र प्रदान कएलगेल छल ।

कार्यक्रममें मुख्यमन्त्री राई आ आयोजक संस्थाके अध्यक्ष नवीन रिजाल प्रशंसापत्र वितरण कएने छलथि । ओहि अवसरमें बजैत मुख्यमन्त्री राई देशके समृद्धिहेतु उद्यमिसबके भुमिका आओर मजबुत करएपरत बतबैत राष्ट्रिय पुँजी निर्माणमें एक्सपो महत्वपुर्ण भुमिका खेललक बतौनेछलथि । प्रतिकुल अवस्थामें सेहो मेला सफल भेल कहैत ओ प्रशन्नता ब्यक्त कएने छलथि ।

विराटनगर महानगरपालिकाके प्रमुख भीम पराजुलीले तीन तहके सरकारके सहयोगमें विराटनगरमें क्षेत्रीय अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल निर्माण कएलजेवाकचाहि बतौने छलथि । नेकपा एमालेके स्थायी कमिटी सदस्य एवं पूर्वमन्त्री हिक्मतकुमार कार्की ,नेपाली कांग्रेसके केन्द्रीय सदस्य अमृत अर्याल आ एमाले मोरङ अध्यक्ष ऋषिकेश पोखरेल एक्स्पोके आयोजनसँ अहिक्षेत्रक आर्थिकक्षेत्र चलायमान भेल बतौनेछलथि ।

संघक अध्यक्ष नविन रिजाल, उद्योग संङ्घठन मोरङके अध्यक्ष सुयश प्याकुरेल, नेपाल उद्योग परिसङ्घके भीम घिमिरे,सङ्घक पूर्व अध्यक्ष ताराचन्द खेतान आ नेपाल पत्रकार महासङ्घ प्रदेश अध्यक्ष लिलावल्लभ घिमिरे मेला सफल भेलापर आयोजक समितिके बधाई देने छलथि ।

एक्स्पोमें लगभग तीन सौ स्टलमें स्वदेशीसहित भारत, वंगलादेश, पाकिस्तानक कृषि,घरेलु उत्पादन, खाद्य, लत्ताकपडा,विद्युतिय सामाग्रि आ सवारीसाधन लगायतक बस्तुसब बिक्री आ प्रर्दशनकेले राखलगेल छल । एक्स्पोके प्रदेश एकके साथे, मधेश प्रदेश आ पडोसी देश भारतीय सहरके समेतकक ३ लाख ५० हजार दर्शकह अवलोकन कएलक आ अहि अवधिमें लगभग ४५ करोडके कारोबार भेल एक्स्पो संयोजक विकास वेगवानी जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु