विराटनगर २५ चैत । आईभोर उगैत सूर्यके अर्घदैत मिथिलावासी चैती छैठ पाबैन समापन कएने अछि ।

चारि दिनधरि बिधिविधानपुर्वक पुजापाठ आ आराधना कएलापश्चात आई भोर उगैत सूर्यके अर्घदैत चैती छैठ समापन भेल अछि । पारिवारिक सुख–शान्ति, समृद्धि,आसाध्य रोगसँ मुक्ती तथा अपनअपन कबुला अनुसार छैठ पाबैन मनाओल जाईत अछि ।

चैती छैठके अवसरपर विराटनगरके सिंघीया,केशलिया सहित नहर किनार तथा पोखरिके मोहार सबपर छैठके आर्कषक घाट बनाओलगेल छल । चारिदिनधरि मनाएलजाएबला अहिपर्वके पहिलदिन बितल मंगलके ब्रतालुसब नहाए खाएके विध कक विधिवत पाबैन शुरु कएने छल ।

संसारभरि उगैत सुरुजके मात्र पूजा करएके प्रचलन रहल अवस्थामें अहि पाबैनमें डूबैत सुरुजके सेहो उपासना करएके बिधान रहलासँ सौसें विश्वक आस्थावान सबहक ध्यान अहि पाबैनपर आकृष्ट होइत आएल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु