विराटनगर २४ चैत । लम्बा समयक अन्तरालमें भेल स्थानीय तहके निर्वाचनके पहिल कार्यकाल समाप्तिके दिन गन्ति शुरु भचुकल छै ।

बैसाख ३० गते दोसर कार्यकालहेतु मतदान होबके निश्चित भेल अछि । दलसब विभिन्न प्रकारक नारा सहित जनताके घरद्वार अभियान सेहो सञ्चालन करलागल अछि । मुदा बितल निर्वाचनमें मत लक गेल नेतासब एक्को बेर घुमिक नैआएलापर सुकुम्बासीसब आक्रोशित भेल अछि । विराटनगर महानगरपालिका १२ बखरीस्थित सिमराही ऋषिदेव वस्तीमें हालतक कोनो दलके नेता तथा जनप्रतिनिधिसब ओहिठामक समस्या समाधान करएलेल नैपहुँचलासँ सुकुम्बासीसब आक्रोशित भेल अछि ।

समान्य वर्षामें सेहो जलमग्न होबएबला ओहि स्थानमें शताब्दी पहिनेससँ बसोबास करैत आएल सुकुम्बासी (ऋषिदेव) सब अपनसबहक समस्या समाधान करबाक प्रतिबद्धता दकगेल नेता तथा जनप्रनिधिसब मँह देखाब सेहो नै आएल बतबैत अछि । स्थानीय उमेश ऋषिदेव वडा अध्यक्षके बेर–बेर आग्रह कएलोपर अपनसबहक सडक आ डुबानके समस्या समाधान करएलेल कोनो पहल नैभसकल बतौने छथि ।

तीन पुस्तासँ बसोवास करैत आएल ओसब सडक बनाबलेल चारि वर्षसँ आग्रह करैत अएलामें दु महिना पहिने एकटा नान्हिटा पुल बनाक लावारिस छोडलगेल ओ बतौनेछथि । पुल बनएलोपर कातमें माटि नैभरसलासँ १० फिट गहिँर खधिया दक पुलपर चढएके बाध्यता रहल ओ बतौनेछथि ।

उपभोक्ता समितिक बिषयमें सेहो अपनासबके कोनो जानकारी नैरहल ओ बतौने छथि । विराटनगरके पश्चिम भक बहएबला केशलीया आ स्थानीय फुफरी नदीके बाढिसँ बर्षमें ४ महिना डुबान रहएबला अहि बस्तिके विकास बिषयमें निर्वाचनके समयमें दलद्वारा ब्यक्त कएलगेल प्रतिबद्धता अनुसार काम नै कएलापर समस्या दिनानुदिन बढैतगेल स्थानिय बतौने अछि ।

अहिबेर सपना देखएनिहारके बदला काम कसकएबला उम्मेदवारके मतदान करब उमेश बतौनेछथि । स्थानीय ५५ वर्षिय वृहस्पति ऋषिदेव नेतासबहक आश्वासन भेटैत अएलोपर कोनो पुरा नैभेल दाबी करैत सुकुम्बासी बस्तीके मतदातासब अपन समस्या समाधान केनिहारके मात्र मत देबके निर्णय भेल बतौनेछथि ।

पुस्तौंसँ ऐलानीमें रहैत आएलोपर एखनोधरि लालपूर्जा नैभेटल दुख त अछिए साथे रहैत जमिनसँ सेहो बेदखल कएलजाएत बातक त्रास सेहो कायम रहल बृहस्पति बतबैत छथि । अहिबेर लालपूर्जा देबके आश्वासन देनिहारके नहि, अपितु ठोस आधार प्रस्तुत केनिहारके मात्र भोंट देब विराटनगर १२ बखरीके आशा देवी ऋषिदेव बतौनेछथि ।

विराटनगर १२ बखरीमें ४ पुस्ता पहिनहिसँ बसोबास करैत आएल ऋषिदेव समुदाय अपन बाबादादा जंगल फाँडिक आवासस्थल बनौलक बतौने अछि । यद्यपि एखनि बखरीमें अहि समुदायक जम्मा चारिटा टोल मात्र अछि । पहुँचके बलपर सम्भ्रान्त बर्गके लोक कतेको स्थानके जमिनके लालपुर्जा बनालेलासँ अपनेसब एखनोधरि सुकुम्बासिए रहले भगलु ऋषिदेवके कहब अछि ।

टोलमे सडक, पिअबलापानी,सरसफाइ, शौचालय सेहो नैरहल अवस्थामें झुठमुठक अश्वासनके आधारपर मतदान नैकरब ओ बतौने छथि । विराटनगर महानगरपालिकाद्वारा सडक विस्तारहेतु सडकके कातकरोटमें रहल घर हटाबलेल बेरबेर सुचना दैत रहलासँ ओसब आओर चिन्तित अछि ।

स्थानीय सावित्री ऋषिदेव घर आ जमिन सडकमें कटाएके अवस्था रहल तथा आन कोनो ठाम एकोधुर जमिन नैरहलासँ बसोबासके ब्यवस्था केनिहारके मतदान करब बतौनेछथि । ऋषिदेव टोलमें दु सय ६० परिवारके बसोवास अछि । बखरी सिमहारही टोलके झरी ऋषिदेव अपनसबहक बास रस्तेपर रहल बतबैत ओहिठाम बाह्रोमहिना थालकादोके समस्या झेल परिरहल बतौनेछथि ।

महानगरपालिकामें सरकारी जमिन बहुतो रहलोपर पहुँचबालाके कब्जामें रहलासँ अपनासबके रस्ता कातमें रहपरिरहल बतौनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु