विराटनगर २४ चैत । २०७९ सालके नवबर्ष बैशाख १ गतेकेदिन विराटनगरमें भब्य मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजना होम जारहल अछि ।
मैथिली भाषा,कला–संस्कृति आ पहिरन प्रर्बधन करवाक उद्धेश्यसहित कार्यक्रम आयोजना कएलजारहल अछि । मिथिलेश्वरी मिडिया प्रालि आ विराटनगर १ यूवा समुहके संयुक्त आयोजनामें कार्यक्रम होबलागल अछि । विराटनगरके पोखरिया,बिजयपुर टोलके बगैचा पुरुबके स्थानमें साँझ ५ बजे कार्यक्रम आयोजन कएलजाएत बताओलगेल अछि ।
कार्यक्रममें मैथिली भाषाक चर्चित गायक,कलाकार मौलिक संस्कृतिके नृत्य,गीतसंगित तथा प्रहसन प्रस्तुत कएलजाएत आयोजक युवा समुहके अगुवा सुरेश कामत बतौनेछथि । कार्यक्रमकबीच मैथिली संस्कृति अनुसारके लोकनृत्य झिझिया,सामाचकेवा आ जटजटिन सहितके प्रस्तुति राखलगेल अछि ।
तहिना सुप्रसिद्ध गायक कलाकारसब रामा मण्डल,बिरेन्द्र झा,प्रबलदीप आ अनुराधा राजवंशी लगायतक कलाकारगण मैथिली गीतसंगित प्रस्तुत करताह बताओलगेल अछि । कार्यक्रमकेबीच विराटनगर महानगरपालिका सहित मोरङक विभिन्न स्थानिय तहसँ निर्वाचित जनप्रतिनिधिके सम्मान सेहो कएलजाएत आयोजक समिति सदस्य जय कामत बतौनेछथि ।
भाषा संस्कृतिप्रति नयापुस्ताके जागरुक बनएबालेल तथा स्वस्थ्य मनोरंजनके उद्धेश्यसहित नवबर्षके सन्दर्भ पर सांस्कृतिक कार्यक्रम कएलजारहल मिथिलेश्वरी मिडिया प्रालिके अध्यक्ष नवीन कर्ण बतौनेछथि ।