विराटनगर २३ चैत । विराटनगरमें आइ (बुधदिन) सँ १ हजार ८ पार्थिव शिवलिङ पूजा शुरु भेल अछि ।
विराटनगर ८ बलुवाहीस्थित श्री स्वस्थानेश्वर महादेव मन्दिर परिसरमें पाँचदिनक पार्थिव शिवलिङ पूजन आ शिव महापुराण पाठ पारायण शुरु भेल अछि । ओहि अवसरमें पुजाके पहिलदिन झांकी सहितके कलशयात्रा निकाललगेल अछि । बलुवाहीस्थित मन्दिर परिसरसँ शुरु भेल कलशयात्राके विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर भिम पराजुली शुभारभ्म कएलनि ।
भगवान शिव परिवारके झाँकी सहित निकाललगेल कलशयात्रा मधुमाराके अष्टचिरंजिवी मन्दिर,न्यूरो अस्पताल,ट्राफिकचोक,चुलाचुली मार्ग,शनिमन्दिरसँ मेनरोड होइत नगरक्षेत्रके विभिन्न भागके परिक्रमा करैत फेरसँ मधुमारा,बलुवाहीस्थित मन्दिर परिसरमें जाक समापन भेल छल ।
विश्वशान्ति तथा कल्याणके कामना सहित पाँचदिनक धार्मिक कार्यक्रम आयोजन कएलगेल स्वस्थानेश्वर महादेव मन्दिरके मुख्य पुजारी पुष्पराज पोखरेल बतौनेछथि । पार्थिव पुजाहेतु १ हजार आठगो माटिक शिवलिङ निर्माणकक मन्दिर परिसरमें स्थापना कएलगेल अछि ।
पाँचदिनधरि धार्मिक विधिविधान अनुसार पार्थिव शिवलिङके पुजापाठ करएके साथे शिव महापुराण कथा वाचन,लाखबत्ती प्रज्वलन आ भजन किर्तन लगायतक कार्यक्रम सेहो आयोजना कएलगेल आयोजक समितिके सदस्य राजन राय जानकारी देनेछथि ।
शिव शिष्य उत्थान समिति,विराटनगर–८ के आयोजनामें कार्यक्रम कएलजारहल अछि ।