विराटनगर २१ चैत । एसपी शान्तिराज कोईराला जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके नया कार्यालय प्रमुखकेरुपमें नेतृत्व सम्हारने छथि ।

अहिसँ पहिने उपत्यका प्रहरी कार्यालय रानी पोखरीमें कार्यरत कोईराला चैत १९ गतेसँ जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके नेतृत्व सम्हार आएलछथि । अहिसँ पहिनुका एसपी जनार्दन जिसिके सरुवा भेलाबाद नया एसपीके रुपमें कोईराला मोरङ आएलछथि ।

हुनका कार्यभार सम्हारलापर जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ सञ्चारकर्मी आ एसपी कोईरालाबीच परिचयात्मक कार्यक्रम आयोजना कएने अछि । ओहि अवसरमें बजैत एसपी कोईराला प्रहरी नियमावली आ ऐन कानुनद्वारा निर्धारण कएलगेल काम,कर्तब्य आ जिम्मेबारी अनुसार कार्यसम्पादन करब बतौनेछलथि ।

एसपी कोईराला दुर्घटना आ तस्करी न्युनिकरण करहेतु प्रभावकारी भुमिका निर्वाह करब,सञ्चारकर्मीके आवश्यकता अनुसारक सुचना प्रवाहहेतु एकद्वार प्रणालीके ब्यवस्था करब बतौनेछलथि । ओ आसन्न निर्वाचन शान्तिपुर्णरुपसँ सम्पन्न करहेतु सेहो प्रहरी पुर्ण ध्यान केन्द्रीत करहल बतौनेछलथि ।

कार्यक्रमके सहभागि पत्रकार तथा सञ्चारकर्मीसब तस्करी,दुर्घटना आ सडक अनुसाशन कायम करलेल प्रहरीके थप ध्यान केन्द्रीत करहेतु एसपी कोईरालाके सुझाव देने छल ।

सम्बन्धित खबरहरु