विराटनगर १८ चैत । मोरङ ब्यापार संघके आयोजनामें विराटनगरमें आइसँ ९ दिनक ब्यापार मेला आयोजना शुरु होबएजारहल अछि ।
आइसँ शुरु होमएबला मेला चैत २६ गतेधरि चलत । नगरक्षेत्रके शंकरपुरमें मेला आयोजनके सम्पुर्ण तैयारी पुरा भचुकल अछि । पर्यटनमन्त्री प्रेमबहादुर आले मगरद्वारा आइ दुपहर मेलाके उदघाटन करबाक तैयारी अछि । मेलामें २ सौ ८१ स्टल मार्फत स्वदेशी तथा विदेशी उत्पादनसब प्रर्दशन तथा विक्रि कएलजाएत । मेलामें नेपालक घरेलु,छोट ,मझौला तथा पैघ उद्योगसबहक अतिरिक्त देशभरिके सब प्रदेश झल्कएबला कलासंस्कृति,पर्यटन,शिक्षा,स्वास्थय,खानीजन्य तथा कृषिजन्य बस्तुसबहक प्रर्दशनी कएलजाएत पत्रकार सम्मेलनमें जानकारी देलगेल छल ।
स्वदेशी उत्पादनके साथे पडोसी देशसब भारत,बंगलादेश तथा पाकिस्तानके उत्पादकसबहक स्टल सेहो मेलास्थलमें रहत बताओलगेल अछि । बिगतके बर्षसबसँ अहिबेरके मेलामें बिशेष आर्कषणसब थप कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष नवीन रिजाल बतौनेछथि । अहिबेरके मेला स्थलमें अन्र्तराष्ट्रिय ख्यातिप्राप्त सम्पदाके नमुनासब लण्डन ब्रिज,बुर्ज खलिफा,बुर्ज अल अरब आ सेन्ट वेसिलके नमुनासब सेहो निर्माण तथा प्रर्दशन कएलजाएत ओ बतौनेछथि ।
तहिना नेपालके मेला ईतिहासमे पहिलबेर साहसिक खेलसबके अनुभव प्रदान करएलेल, जिप लाईन,रिभर्स बन्जी आ जिप साईकलिङके ब्यवस्था सेहो कएलगेल रिजाल जानकारी देनेछथि । मेलामें एसी डोम प्रबिधिके स्टलसब निर्माण कएलजाएत मेला आयोजक समितिके संयोजक विकास कुमार बेगवानी जानकारी देनेछथि ।
मेलामें एसी जडित ८० स्टल,कुलर जडित ६० आ सामान्य स्टल १०६ रहत ओ बतौनेछथि । मेलामें प्रवेशकलेल १ सौ रुपैयाके टिकट निर्धारण कएलगेल अछि ।