विराटनगर १४ चैत । विराटनगरके चर्चित पत्रकार ब्रह्मदेव यादव नेपाल पत्रकार महासंघके मधेश विभाग सदस्यमें मनोनित भेल छथि ।

हुनका महासंघके केन्द्रीय समिति मधेश विभाग सदस्यमें मनोनयन कएने अछि । तराई मधेशक पत्रकारिता क्षेत्रमें रहल समस्या हल करएहेतु गठन कएलगेल विभागमें हुनका सदस्यकेरुपमें मनोनयन कएलगेल बताओलगेल अछि । यादव बर्तमानमें नेपाल पत्रकार महासंघक प्रदेश–१ समितिक दोसर कार्यकालकलेल निर्वाचित सदस्य छथि ।

अहिसँ पहिने पत्रकार यादव महासंघक मोरङ शाखामें लगातार तीन कार्यकाल निर्वाचित भक पत्रकारिता उन्नयनहेतु काज कचुकल छथि । विराटनगरके केन्द्रबिन्दु बनाक बितल २५ बर्षसँ निरन्तर सक्रिय पत्रकारिता करैत आएल यादव बर्तमानमें विराटनगरसँ प्रकाशित होमएबला न्यू सृष्टि दैनिकके प्रबन्ध सम्पादकके रुपमें काज करहल छथि ।

पत्रकारिता क्षेत्रमें आगु नै आबिसकल तराईमधेशक बर्ग समुदायक ब्यक्ती सबके अहि क्षेत्रमें आगु लएनाइ अपन कार्यकालक मुल लक्ष्य रहत यादव बतौनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु