विराटनगर ११ चैत । विराटनगरमें जारी शिखर पुरुष गिरिजाप्रसाद कोइराला स्मृति तेसर राष्ट्रिय पुरुष हक्की प्रतियोगितामें नेपाली सेना आ सुदूरपश्चिम प्रदेश विजयी होइत फाइनलमें प्रवेश कएने अछि ।
शुक्रबारके पहिल खेलमें सुदूरपश्चिम प्रदेश, गण्डकी प्रदेशके ३–१ के गोलअन्तरसँ पराजित करैत फाइनलमें पहुँचल अछि । सुदूरपश्चिमके केशवराज जोशी, नरेन्द्र कार्की आ कान्तुराम पनेरु समान १–१ गोल करैत टिमके विजयी बनौलनि । गण्डकीके रोहित लामा एक गोल घुमएने छलथि । खेलके म्यान अफ द म्याच सुदूरपश्चिमके केशवराज जोशी घोषित भेलथि ।
दोसर खेलमें नेपाली सेना लुम्बिनी प्रदेशके ५–१ गोलअन्तरसँ पराजित करैत फाइनलमें पहुँचल अछि । सेनाके रोमन राणा ४ गोल आ राजेन्द्र कार्की १ गोल करैत टोलीके विजयी बनौलनि । खेलके म्यान अफ द म्याच सेनाके रंजित राउत घोषित भेलथि ।
शनिबार भोरे तेसर स्थानकेलेल गण्डकी प्रदेश आ लुुम्बिनी प्रदेशबीच खेल होएत तथा दुपहरमें फाइनल खेल नेपाली सेना आ सुदूरपश्चिम प्रदेशबीच होएत खेल संयोजक रञ्जन थापा जानकारी देनेछथि ।
चैत १२ गतेधरि होबएबला प्रतियोगितामें विभागीय टोली नेपाली सेनाके साथे प्रदेश १, मधेस प्रदेश, बाग्मती प्रदेश, गण्डकी प्रदेश, लुम्बिनी प्रदेश आ सुदूरपश्चिम प्रदेशके सहभागिता रहल अछि ।