विराटनगर १० चैत । प्रदेश एकके स्वास्थ्य मन्त्री जयराम यादव, क्षयरोग न्युनिकरणहेतु सचेतना प्रभावकारी भसकैत अछि बतौनेछथि ।
विश्व क्षयरोग निवारण दिवसके अवसरमें स्वास्थ्य मन्त्रालय, विराटनगर महानगरपालिका,स्वास्थ्य निर्देशनालय आ नेपाल क्षयरोग निवारण संस्थाद्वारा विराटनगरमें संयुक्तरुपमें आयोजन कएलगेल कार्यक्रममें बजैत एहन बतौनेछथि । मन्त्री यादव, रोग लागसँ पहिनहि अहि बिषयमें प्रभावकारीरुपमें सचेतना फैला सकलापर बहुतो हदतक न्युनिकरण कएलजासकैत अछि बतौलनि ।
क्षयरोग रोग लागल ब्यक्तीसबके सेहो रोग नुकाबके बदला स्वास्थ्य संस्थामें जाक आवश्यक जाँच कराक नियमित औषधि सेवन कएलापर रोग निदान भरहलासँ इलाजक लेल सेहो समुदायके अभिप्रेरित केनाई आवश्यक रहल ओ बतौलनि ।
कार्यक्रममें स्वास्थय मन्त्रालयक सचिव अनुज भट्टचन,स्वास्थ्य निर्देशनालयके निर्देशक ज्ञानवहादुर वस्नेत,क्षयरोग चिकित्सक डाक्टर नारायण कुमार आ क्षयरोग निवारण संस्था मोरङके अध्यक्ष शिवनारायण प्रधान लगायतक ब्यक्तीसब क्षयरोग न्युनिकरण हेतु अवलम्बन कएलजाएबला उपायसबहक बिषयमें बजने छलथि ।
अहिसँ पहिने देवकोटाचोक लगसँ स्वास्थ्यमन्त्री यादवके सहभागितामे निकाललगेल प्रभातफेरी नगरक्षेत्रके विभिन्न भागके परिक्रमा करैत मेनरोडस्थित बुधहाट चौकपर जाक कोणसभामें परिणत भेल छल । ओहि अवसरमे क्षयरोगीके फलफुल वितरण करएके साथे रक्तदान कार्यक्रम सेहो कएलगेल छल ।
प्रदेश १ में आर्थिक वर्ष २०७७÷७८ में ३ हजार ५५९ गोटे क्षयरोगके बिमार त्ता लागल अछि यद्यपि ७० प्रतिशत विमार अखनो पत्ता नैलागिसकल स्वास्थ्य निर्देशनालयके निर्देशक बस्नेत वतौनेछथि । प्रदेशके झापामें ९९२, मोरङमें ९६८ आ सुनसरीमें ८८९ क्षयरोगके बिमार पत्ता लागल अछि ।
तेह्रथुम जिल्लामें सबसँ कम २१ गोटे बिमार भेटल अछि । विराटनगर महानगरपालिकामें ३ सौ गोटे क्षयरोगसँ ग्रस्त रहल बताओलगेल अछि ।