विराटनगर १० चैत । दोसर संस्करणके मिल्स गोल्डकप फुटबल प्रतियोगिता शुक्रदिनसँ सुरु भरहल अछि ।
विराटनगर जुट मिलके खेलमैदानमें होबबला प्रतियोगिताके पहिलो दिन गोधुली क्लब धरान आ उर्लाबारी ११ मोरङबिच प्रतिस्पर्धा होएत प्रतियोगिताके उदघाटन एन्फाके अध्यक्ष कर्मा छिरिङ्ग शेर्पा करताह । चैत ११ सँ १८ गतेधरि संचालन होबएबला प्रतियोगितामें आठ टिमके सहभागिता रहत ।
जाहिमें गोधुली क्लब धरान, उर्लाबारी एगारह मोरङ, गाइघाट एगारह उदयपुर, साईनो स्पोर्टस क्बल विराटनगर, एन्फा एकेडेमी धरान, दमक एकेडेमी झापा, एसपीएफ पकली आ गोलबजार प्रतिभा फुटबल क्लब सिराहके सहभागिता रहत संयोजक किशोर सुब्बा जानकारी देनेछथि ।
प्रतियोगिताके बिजेताके पुरस्कारस्वरुप नगद २ लाख १ हजार रूपैया साथै ट्रफि प्रदान कएलजाएत । उप बिजेता नगद १ लाख १ हजार रुपैया हासिल करत । प्रतियोगितामें उत्कृष्ट होबबला खेलाडी २५ हजार, म्यान अफ द म्याच खेलाडीके ५ हजार रूपैया देलजाएत ।
तहिना उत्कृष्ट होबएबला खेलाडीके १५ हजार, नव उदयमान एकगोटे खेलाडीके २० हजार पुरस्कार देलजाएत । प्रशिक्षक, गोल किपर, डिफेन्स, मिड फिल्डर, फरवार्ड, सर्वाधिक गोलकर्ताके प्रतिब्यक्ती ७ हजार रुपैया देलजाएत ।
फुटबल आयोजनाके पुर्व सन्ध्यामें विराटनगरमें ट्रफी सहित -याली निकाललगेल अछि । आयोजक मिल्स गोल्डकप फुटबल ट्रष्टद्वारा निकाललगेल -याली महानगरपालिकाके विभिन्न भागके परिक्रमा कएने छल ।