विराटनगर, ९ चैत्र । प्रदेश एक सरकार, छैठ पाबनि समापनके दिन छुट्टी देबके निर्णय कएने अछि ।
मुख्यमन्त्री राजेन्द्रकुमार राईके अध्यक्षतामें बैसल मन्त्रिपरिषदके बैठक छैठ सहित विभिन्न तिनटा छुट्टी थप करएके निर्णय कएने अछि । यातायात व्यवस्था तथा सञ्चार मन्त्री उपेन्द्रप्रसाद घिमिरे, बुधदिन बैसल मन्त्रिपरिषदके बैठक विभिन्न सातटा विषयमें महत्वपूर्ण निर्णयसब कएलक जानकारी देनेछथि ।
बैठकमें आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्रालयद्वारा प्रस्तुत कएलगेल विक्रम सम्बत २०७९ सालमें प्रदेश सरकारद्वारा देलजाएबला सार्वजनिक बिदासम्बन्धी प्रस्ताव स्वीकृत कएने अछि । मन्त्रिपरिषदके बैठक भादो ४ गते विराटनगरमें भब्यरुपमें मनाएलजाएबला ऐतिहासिक राधाकृष्ण रथयात्रा, अहिबेर कात्तिक १४ गते मनाएजाएबला छैठ पर्वके समापनके दिन आ कात्तिक २५ गते मनाएजाएबला फाल्गुनन्द दिवसकेदिन प्रदेश एकमें सार्वजनिक बिदा देबाक निर्णय स्वीकृत कएने अछि ।
प्रदेश सरकारके भेटल थप छौ टा बिदा द पाबके अधिकार अनुसार उक्त बिदा देबके निर्णय भेल मन्त्री घिमिरे बतौनेछथि । तहिना, सैह मन्त्रालयद्वारा प्रस्तुत कएलगेल आर्थिक सहयोग उपलब्ध कराब सम्बन्धी प्रस्ताव सेहो मन्त्रिपरिषद् बैठक स्वीकृत कएने अछि ।
असाध्य रोग लागल बिमारसबके उपचार खर्चवापत सहयोग कएलजाएत ओ जानकारी देनेछथि ।