विराटनगर, ९ चैत । विराटनगरमें जारी शिखर पुरुष गिरिजाप्रसाद कोइराला स्मृति तेसर राष्ट्रिय पुरुष हक्की प्रतियोगितामें नेपाली सेना आ सुदूरपश्चिम प्रदेश अग्र स्थानमें रहल अछि ।

बुधदिन विराटनगरस्थित सहिद रंगशालमें भेल खेलसबमें नेपाली सेना, सुदूपश्चिम प्रदेश आ लुम्बिनी प्रदेश विजयी भेल अछि । प्रतियोगिताके पहिल खेलमें नेपाली सेना गण्डकी प्रदेशके ११–० के फैल गोलअन्तरसँ पराजित कएने अछि । सेनाके रोमन राना आ प्रदीप राजवंशी समान ४–४ गोल, सुमितकुमार कामी २ गोल आ राजेन्द्र कार्की १ गोल कएलनि । खेलके म्यान अफ द म्याच सेनाके प्रदीप राजवंशी घोषित भेलनि ।

दोसर खेलमें सुदूरपश्चिम प्रदेश मधेस प्रदेशके ७–१ गोलअन्तरसँ पराजित कएने अछि । सुदूरपश्चिमके महेश नेपाली ३ गोल, सुरेशप्रसाद जोशी २ गोल, केशव जोशी आ दीपकराज जोशी समान १–१ गोल करैत टोलीके विजयी बनौलनि । खेलके एक मात्र सान्तवना गोल मधेस प्रदेशके रञ्जन महतो कएनेछलथि । खेलके म्यान अफ द म्याच सुदूरपश्चिम प्रदेशके गणेश खगुना भेलनि ।

तहिना तेसर खेलमें लुम्बिनी प्रदेश प्रदेश १ के ४–१ गोल अन्तरसँ पराजित कएने अछि । नेपाली सेना आ सुदूरपश्चिम प्रदेश समान २–२ खेल जितैत ६–६ अंक संग आगा रहल अछि तथा प्रदेश १ आ बाग्मती प्रदेशके ३–३ अंक रहल अछि । चैत १२ गतेधरि होबएबला प्रतियोगितामें विभागीय टोली नेपाली सेनाके साथे प्रदेश १, मधेस प्रदेश, बाग्मती प्रदेश, गण्डकी प्रदेश, लुम्बिनी प्रदेश आ सुदूरपश्चिम प्रदेशके सहभागिता रहल अछि ।

प्रगियोगिताके विजेता नगद ५० हजार, उप विजेता ३५ हजार आ तेसर होबबला टोली नगद १५ हजार रुपैयाके साथे ट्रफी प्राप्त करत । नेपाल हक्की संघद्वारा आयोजना कएलगेल प्रतियोगिता अन्तर्गत बिहीबारके पहिल खेल गण्डकी प्रदेश आ बाग्मती प्रदेश, दोसर खेल सुदूरपश्चिम आ प्रदेश १ तथा तेसर खेल लुम्बिनी प्रदेश आ मधेस प्रदेशबीच प्रतिष्पर्धा होएत प्रतियोगिताके संयोजक रञ्जन थापा जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु