विराटनगर ६ चैत । विश्व मुख स्वास्थ्य दिवसके अवसरमें विराटनगरमें ऋषिदेव समुदायक बालबालिकाके दाँत परीक्षण कएलगेल अछि ।
नेपाल डेन्टल साईन्स हाईजिनिष्ट एशोसिएसन प्रदेश एकके आयोजनामें ऋषिदेव बस्तीमें दन्त परीक्षण शिवीर आयोजना कएलगेल अछि । दिवसके अवसरमें विराटनगरके सिमान्त वडानम्बर १६ के दरैयाबस्तीमें रहल पाथिभरा जनता अध्ययन केन्द्रमें ऋषिदेव समुदायके बालबालिका लक्षितकक दन्त शिवीर आयोजना कएलगेल छल ।
ओहि क्रममें ६० गोटे ऋषिदेव समुदायके बालबालिकाके दाँत परीक्षण कएलगेल छल । शिवीरमें सहभागि अधिकांश बालबालिकाके दाँत सडल अवस्थामें भेटल नेपाल डेन्टल साईन्स हाईजिनिष्ट एशोसिएसन प्रदेश एकके संयोजक सन्दिपकृष्ण श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि । जन्क फुडके प्रयोग आ खाना खएलापश्चात निक सँ मुँह साफ नै करएके परिपाटिकें कारण बालबालिकाके दाँतमें किरा लागके समस्या बढल श्रेष्ठ बतौनेछथि ।
शिवीरमें सहभागि होब आएल बालबालिकाके दाँत परीक्षण करके साथे ओकरासबके निशुल्क ब्रस,माउथ वास आ मन्जन प्रदान कएलगेल सामाजिक अभियन्ता पारस थापा जानकारी देने छथि । तहिना ओकरासबके ब्रस करके प्रयोगात्मक बिधि आ मुँहके साफ राखके बिषयमें सेहो जानकारी कराएलगेल छल ।
कार्यक्रममें आयोजक संस्थाके सचिव प्रकाश बस्नेत,कोषाध्यक्ष शोभा काफ्ले, सामाजिक अभियन्ता अर्जुनकुमार क्षेत्री आ राजु क्षेत्री लगायतक सहभागिता रहल छल ।