विराटनगर २ चैत । विराटनगरस्थित अप्पन ब्राह्मण समाज होलीके अवसरपर रंगारंग कार्यक्रम कएने अछि ।
समाज, होलीके पुर्व सन्ध्यामें विराटनगरस्थित एकटा पार्टी प्यालेसमें शुभकामना आदानप्रदान सहित रंगारंग कार्यक्रम कएलक । कार्यक्रमकबीच होली सम्बन्धि कविता वाचन,गीत,नृत्य लगायतक कार्यक्रम कएलगेल छल । ओहि अवसरमें कवि प्रेमनारायण झा,प्रकाश प्रेमी,प्रवीण नारायण चौधरी,कुमुद मोहन झा आ कर्ण संजय कविता वाचन कएने छलथि ।
तहिना कार्यक्रमकबीच विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर भिम पराजुली आ विराटनगर १२ के वडाध्यक्ष हिरालाल कामतके कदरपत्र सहित सम्मान कएलगेल छल । अप्पन ब्राह्मण समाजके कार्यालय स्थापना आ काली मन्दिर निर्माणहेतु विराटनगर १२ मे जमिन उपलब्ध करएबामें निर्वाह कएल भुमिका वापत हुनका दुनुगोटेके कदरपत्र सहित सम्मान कएलगेल आयोजक संस्थाके सदस्य मृत्यूञ्जय मिश्रा बतौनेछथि ।
ओहि अवसरमें कलाकारसबहक टोली होली बिशेष नृत्य आ गायक सुमित खड्का होली गित प्रस्तुत कएनेछलथि । कार्यक्रमके सहभागि एकदोसरके अबिर औंसक शुभकामना सेहो आदानप्रदान कएने छलथि ।