विराटनगर २ चैत । विराटनगरस्थित नोबेल शिक्षण अस्पतालके चिकित्सक एकगोटे विमारके पेटमेंस बेल्टके ‘बक्कल’ आ सिक्री निकालने अछि ।
भोजपुर नगरपालिका–१२ टक्सारके २१ बर्षीय युवाके पेटसँ बेल्टके बक्कल आ लोहाके सिक्री निकालगेल अछि ।
परिवारिक स्रोतके अनुसार उक्त युवा आत्महत्याके प्रयास करके क्रममे अपन बेल्टके बक्कल आ सिक्री घोटिलेने छल । घटना पश्चात इलाजकेलेल नोबेल आनलगेल उक्त युवाके पेटमें सँ दुनु सामान निकालगेल अछि ।
विना चिरफार इण्डोस्कोपिक विधिमार्फत पेटमे रहल बक्कल मुँह होइत निकालगेल नोबेलके बिशेषज्ञ शल्य चिकित्सक डा.ध्रुव नारायण शाह जानकारी देलनि । डा.शाहके अनुसार युवाके पेटके खाना नलीमे बक्कल अटकल छल तथा आमाशयमे सिक्री रहल छल । मुहसँ इण्डोस्कोपी पैसाक मुहसँ बक्कल निकालगेल छल ।
आमाशयमे रहल सिक्री पैखानाके माध्यमसँ निकालगेल छल । पेटके शल्यक्रिया तथा क्यान्सर सम्बन्धि चिकित्सक डा.शाह,डा.मोहन खड्का सहितके टोली वक्कल निकालिक विमारके जोखिम मुक्त कएने छलथि । विना चिरफार बक्कल आ सिक्री निकालगेलाके बाद अखिन उक्त युवाके स्वास्थ्य अवस्था सामान्य रहल अछि ।
स्वास्थ्य अवस्था सामान्य भेलाके बाद युवाके डिस्चार्ज कयलगेल नोबेल अस्पताल जनकारी देने अछि ।