विराटनगर १ चैत । इन्डो–नेपाल टि–२० ‘मिल्स कप क्रिकेट’ प्रतियोगिताके उपाधि पूर्वाञ्चल क्रिकेट क्लब विराटनगर जितने अछि ।
मिल्स क्रिकेट क्लव एण्ड एकेडेमीके आयोजनामें विराटनगरस्थित जुटमिलके खेल मैदानमें मंगलदिन सम्पन्न फाइनल खेलमें भारतके समशेर क्रिकेट क्बल कानपुरके ६ रनसँ हरबैत पूर्वाञ्चल उपाधि जितने अछि । जितसँगे पूर्वाञ्चल नगद १ लाख ११ हजार रुपैयाके साथे ट्रफि हासिल कएलक । उप बिजेता भेल कानपुर नगद ५१ हजार रूपैया प्राप्त कएलक । टस जितक ब्याटिङ केनिहार पूर्वाञ्चाल निर्धारित २० ओभरमें २ सौ ४ रनके योगफल बनबैत अलआउट भेल छल ।
अलराउण्ड प्रर्दशन केनिहार पूर्वाञ्चलके मन्जित श्रेष्ठ २६ बलमें ४६ रन बनौलनि । हुनकर ब्याटसँ ३ छक्का आ ६ चौका निकलल छल । पूर्वाञ्चलके रसित खान २१ बलमें ४६ रन बनएने छलथि । श्रवण यादव १६ बलमें ४० आ मुकुन्द यादव २२ बलमें २९ रन बनौलनि । कानपुरके दिमाङसु आ किसन लाल समान ३-३ विकेट लेलनि ।
श्रेष्ठा मिश्रा २ विकेट लेने छलथि । जवाबमें २ सौ ५ रनके विजय लक्ष्य पछुआरहल कानपुर २० ओभरमें ९ विकेटके गुमबैत १९८ रनमें सिमित भेल छल ।
