कटहरी २९ फागुन । मोरङके कटहरी गाउँपालिका, विधि सम्मतरुपमें सम्पन्नभेल गाउँपालिकाके काम कारवाहीके बिषयमें अनावश्यक भ्रम छिटके काज भरहल बतौने अछि ।
गाउँपालिका नेतृत्व रबिदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजना करैत बिगत किछदिन एम्हर नियोजितरुपसँ गाउँपालिकाके काम कारवाही बिरुद्ध भ्रम फैलाबके काज भरहल दाबी कएने अछि । किछ महिना पहिने लोहन्द्रा नदीसँ बालु, गिट्टि उत्खननहेतु ठिक्का लगबैतकाल ठेकेदारसँग मिलिभगत कएलाके कारण गाउँपालिकाके १ करोडसँ बेसी नोक्सान भेल बिषयके समाचार किछदिन पहिने संचार माध्यमसबमें प्रकाशित भेल छल । ओहि समाचारमें गाउँपालिकाके पारिवारिक नियुक्तिके अखडा बनाएलगेल दाबी सेहो कएलगेल छल ।
उक्त बिषयके लक नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी नेकपा माओबादी केन्द्र कटहरी गाउँ कमिटि सेहो सत्यतथ्य छानबीन करएहेतु समिति गठन करएलेल गाउँपालिकाके फागुन २७ गते ३ दिनक अल्टिमेटम देने छल । सैह बिषयमे ध्यानाकर्षण भेल कहैत गाउँपालिका पत्रकार सम्मेलकक आरोपसबके खण्डन कएने अछि । पत्रकार सम्मेलनमें प्रेस बिज्ञप्ति वाचन करैत गाउँपालिकाके उपाध्यक्ष मंजिता सरदार, विवादमें आनके प्रयास भरहल उक्त ठिक्का नेपाल सरकारद्वारा निर्धारण कएलगेल ऐन,नियम,कानुन आ गाउँपालिकासँ निर्माण भेल नितिनियमके परिधि भितरे रहिक सम्पादन कएलगेल बतौलनि । ताहिमें कोनो प्रकारक मिलिभगत नैरहल दाबी कएने छलथि ।
गाउँपालिकाके अध्यक्ष रामकुमार कामत, आगामी स्थानिय निर्वाचनके लक्षितकक अपना बिरुद्ध लागल किछु ब्यक्ती अपन पार्टी आ स्वयंके बदनाम कराबके प्रयास करहल दाबी कएलनि । ओ गाउँपालिकाके कार्य सम्पादनके क्रममें आवश्यक कर्मचारीसब सेहो प्रचलित ऐन,नियम तथा कानुन अनुसार नियुक्ती कएलगेल दाबी सेहो कएनेछलथि ।
ओम्हर नेकपा माओवादी केन्द्र कटहरी गाउँपालिका कमिटि, अपनासबद्वारा मांग कएलगेल अनुसार छानबीन समिति गठन नैभेल कहैत आपत्ती जाहिर कएने अछि । कटहरी गाउँ कमिटिके अध्यक्ष तथा वडानम्बर २ के निर्वाचित वडाध्यक्ष सेहो रहल किशोर पाण्डे अपनसबहक माग अनुसारके समयसिमा समाप्त भेलोपर छानबीन समिति गठन नैकएलगेल कहैत थप दबाबके कार्यक्रमसब आनके तैयारी करहल बतौनेछिथ ।