विराटनगर २९ फागुन । जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङमें रहल बन्दी महिलासबहकलेल पैंत्तीसटा पंखा आ पानी गर्म तथा ठण्ढा करएबला डिस्पेन्चर मसिन हस्तान्तरण कएलगेल अछि ।
नेपाली कांग्रेस प्रदेश नम्बर एकके सांसद बिन्दिया कार्की, निर्वाचन क्षेत्र पूर्वाधार विकास कार्यक्रमअन्तर्गत उक्त सामग्रि एकटा कार्यक्रमबीच रबिदिन जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके हस्तान्तरण कएलनि । सांसद कार्कीके अनुसार बन्दी महिलाके गर्मीमें सहजताक उद्देश्यकसंग तीसटा सिलिङ फैन, पाँचटा टेबुल फैन आ दुटा डिस्पेन्चर मसिन सहयोग कएलगेल बतौनेछथि । अहिसँ पहिने बितलबर्ष सेहो कार्की साठिगो चौकी उपलब्ध करौनेछलथि ।
सांसद कार्की मार्फत सहयोग ग्रहण करैत जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके एसपी जनार्दन जिसि बन्दीकेलेल प्रदान कएलगेल सामग्रिके उचित प्रयोग कएलजाएत बतौनेछथि ।