विराटनगर २४ फागुन । प्रदेश एकके मुख्यमन्त्री राजेन्द्रकुमार राई, महिलापुरुष बिचके बिभेद समाजमें अखनो ब्याप्त रहल बतौनेछथि ।
११२ अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवसके सन्दर्भमें प्रदेश १ सामाजिक विकास मन्त्रालयद्वारा आइ विराटनगरस्थित आदर्श विद्यालय परिसरमें आयोजना कएलगेल कार्यक्रममें बजैत मन्त्री राई एहन बतौनेछथि । समाजमें निजी सम्पतिके अवधारणा विकास भेलासंगे ८ हजार बर्ष पहिने महिलापुरुषबिच बिभेद शुरु भेल ओ बतौनेछथि । एम्हर आबिक मानव सभ्यता राजनितिक आ भौतिकरुपमें तिब्र बिकसित भेलोपर महिलापुरुष बिचके विभेद अखनो कायमे रहल मुख्यमन्त्री राई बतौनेछथि । शिक्षामें महिला आ पुरुषबिच भेदभाव केनाइ तथा भ्रुणहत्या तेकरे निरन्तरता रहल ओ बतौनेछथि । महिला आ पुरुषबिच होबएबला बिभेदके सम्पुर्णरुपमें अन्त कक आगा नैबढलाधरि वास्तविक विकास सम्भव नैरहल ओ उल्लेख कएने छलथि ।
प्रदेश एकके स्वास्थयमन्त्री जयराम यादव, हाले भेल जनगणनामें देशक कुल जनसंख्या मध्य महिलासबहक जनसंख्या पुरुषसँ बेसी देखाएल बात बतौनेछलथि । महिलासबके आब आओर सशक्तरुपसँ आगु बढएके आवश्यकता रहल ओ बतौनेछलथि । मँगलापर जौं अधिकार नैभेटए त अपन अधिकार छिनक हासिल करएमें सेहो महिलासबके पाछा नै रहबाकचाहि हुनकर कहब छल । देशक विकास लेल महिला आ पुरुष दुनू शक्तीके एकिकृत प्रयास आवश्यक रहल ओ बतौनेछलथि । सामाजिक विकास राज्यमन्त्री बिष्णु तुम्बाहाङफे, राज्यके प्रत्येक संरचनामें महिलाके ५० प्रतिसत सहभागिता करएनाई आवश्यक रहल बतौनेछलथि ।
ओहि अवसरमें विभिन्न विद्यालयके छात्रासब नृत्य तथा गित प्रस्तुत कएने छल तहिना रक्तदान कार्यक्रम सेहो कएलगेल छल । कार्यक्रममें स्वास्थ्यमन्त्री जयराम यादव स्वयं सेहो रक्तदान कएने छलथि ।