विराटनगर २३ फागुन । विराटनगरमें जारी प्रथम इक्युवालिटि कप महिला क्रिकेट प्रतियोगितामें झापा आ मोरङ विजयी भेल अछि ।
वैजनाथपुर क्रिकेट मैदानमें सोमदिन भेल खेलमें झापा आ मोरङ विजयी भक फाइनलमें प्रवेश कएने अछि । झापा अहिसँ पहिनहि फानलमें प्रवेश कचुकल अछि । पहिल खेलमें झापा, मधेश प्रदेश अन्र्तगत सप्तरीके २ सौ ३३ रनके भारी रन अन्तरसँ पराजित कएने अछि । झापा लिगके सबटा खेलमें विजयी भेल अछि मुदा सप्तरी कोनो खेलमें जित हासिल नै कसकल । टस जितक पहिले ब्याटिङ केनिहार झापा निर्धारित २० ओभरके खेलमें २ विकेट गुमाक २ सौ ६० रनके विशाल स्कोर बनएने छल । झापाके नेपाली राष्ट्रिय टोलीके विकेट किपर काजल श्रेष्ठ शतक प्रहार कएलनि । काजल १ सौ २ रनके अविजित पारी खेलने छलथि । ओ ६४ बलमें १७ चौका प्रहार कएने छलथि । काजल बाहेक अपसरी वेगम अर्ध शतक प्रहार करैत ५० रनमें आउट भेलनि । तहिना निमा तामाङ ३६ रनके योगदान देलनि ।
२ सौ ६१ रनके विशाल लक्ष्य पछ्ुआरहल सप्तरी १९ दशमलव २ बलमें सब विकेटके क्षतिसंगे २७ रनमें सिमित भेल । ओहि खेलके वुमेन अफ म्याच झापाके शतक प्रहार केनिहार काजल घोषित भेल छलथि । दोसर खेलमें मोरङ, सुनसरीके १ विकेटसँ पराजित करैत फाइनलमें पहुँचल अछि । टस जितक पहिल ब्याटिङ केनिहार सुनसरीे निर्धारित २० ओभरमें ५ विकेट गुमाक १ सौ २७ रनके स्कोर बनएने छल । सुनसरीके भावना काम्ती ४० रन तथा सलिना तामाङ २६ रन बनौनेछलथि । मोरङकें कप्तान अन्सु जैसवाल ३ विकेट आ टिका साह २ विकेट लेनेछलथि ।
१ सौ १८ रनके लक्ष्य पछुआरहल मोरङ १८ दशमलव ३ बलमें १ विकेट क्षतिमें विजयी लक्ष्य हासिल कएने छल । मोरङके सानु राजवंशी अविजित ४५ रन बनएलापर नविता राजवंशी अविजित १८ रन बनएने छलथि । तहिना सृजना राजवंशी २४ रनमें आउट भेलथि । सुनसरीके प्रिया मलाहाले १ विकेट लेनेछलथि । खेलके वुमेन अफ म्याच मोरङके रानु घोषित भेल छलथि ।