विराटनगर २२ फागुन । विराटनगरस्थित न्यूरो अस्पताल प्रा.लि.अन्र्तराष्ट्रिय नारी दिवसके अवसरपर स्वास्थ्य उपचारमें महिला लक्षित छुट योजना घोषणा कएने अछि ।

प्रत्येकबर्ष ८ मार्चमें मनाएलजाएबला महिला दिवसके सन्दर्भपर न्यूरो अस्पताल फागुन १७ सँ चैत १७ गतेधरि लागु करैत एकमहिनाके विभिन्न प्रकारक छुट योजना सार्वजनिक कएने अछि । उक्त अस्पताल रबिदिन पत्रकार सम्मेनलके आयोजना करैत छुट योजनाके बिशेष प्याकेज घोषणा कएने अछि । ओहि अवसरपर अस्पतालक निर्देशक ईन्जीनियर रंजितराज बस्नेत महिला लक्षित छुट योजना सार्वजनिक कएलनि । ओहि अवधिमें न्यूरोद्वारा प्रसुती तथा स्त्री रोगके ओपिडी सेवा निशुल्क कएलगेल जानकारी देने अछि तहिना सम्बन्धित सम्पुर्ण लैब परीक्षणमें २५ प्रतिशत छुट देलजाएत जानकारी देने अछि ।

तहिना ओहि अवधिमें ५० गोटे महिलाके पाठेघर सम्बन्धि क्यान्सरके जाँच निशुल्क कएलजाएत अस्पताल जानकारी देने अछि । तहिना अस्पतालमें स्वास्थय सेवा लेब अएनिहार सम्पुर्ण महिला सेवाग्राहीके सम्पुर्ण सेवासबमें १० प्रतिसत छुट देलजाएत तथा एक सौ गोटे महिलाके गर्भवती देखरेख प्याकेज अन्र्तगत सेहो ५० प्रतिसत छुट देलजाएत अस्पतालक निर्देशक बस्नेत बतौनेछथि । महिला दिवसके सन्दर्भ पर अस्पताल, मोरङ क्रिकेट संघके समन्वयसँ मोरङ महिला क्रिकेट टोलीके हौसला अभिबृद्धि हेतु खेलाडी,प्रशिक्षक तथा ब्यवस्थापकके ट्रयाक सुट प्रदान कएने अछि तथा आगामी दिनमें प्रतियोगिताके क्रममें टोली अस्पतालद्वारा प्रायोजित पोशाक पहिरएके सहमति सेहो भेल बताओलगेल अछि ।

अस्पतालद्वारा ८ मार्च अर्थात फागुन २४ गतेक दिन विभिन्न संघसंस्थासंग सहकार्य करैत विराटनगरमें सचेतनामुलक -याली सेहो निकालत बताओलगेल अछि । न्युरो अस्पतालके नेतृत्व, कार्यकारी निर्देशककेरुपमें अनिशा बिष्ट करैत आएलछथि तथा अहि अस्पतालमें ७५ प्रतिशतसँ बेसी कर्मचारीसब महिला रहल अस्पताल जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु