विराटनगर १७ फागुन । आइ महाशिवरात्रि । हिन्दु धर्मावलम्बी भक्तीभाव आ श्रद्धापुर्वक मनारहल अछि । महाशिवरात्रिक दिन मोक्षके कामना करैत भगवान शिवके बिशेष पुजाआराधना करके चलन छै ।

प्रत्येकबर्ष फाल्गुन कृष्णपक्षके चर्तुदशी तिथिकदिन महाशिवरात्रि पर्व मनाओलजाइत छै । सृष्टिक प्रारम्भमें अहिदिन मध्यरात्रिकालमें भगवान शंकर ब्रह्मासँ रुद्रके रूपमें अवतरण भेल विश्वास कएलजाइत अछि । अन्हारके नाशकक स्वर्ग मोक्षके कामना करैत शिवरात्रि मनाबके चलन छै । भगवान शिवके आराधनाहेतु विराटनगरस्थित बाबा बाणेश्वरनाथ महादेव मन्दिर, बिराटेश्वर शिव मन्दिर,बाुसकीनाथ आ बनसखण्डी महादेव मन्दिरमें भोरेसँ दर्शनार्थी सबहक भीड लागल अछि । तहिना धरानमें रहल पिण्डेश्वरी, हलेसी महादेव खोटाङ,झापाके अर्जुनधारा लगायतक मन्दिरसबमें सेहो भीड लागल छै । विराटनगरसंग सीमा जुडल विहारके सुन्दरी मठ आ विराटनगरके मण्ठा पोखरीमें शिवरात्रिकदिन भव्य मेला लगैत अछि ।

शिवरात्रिकदिन आराध्यदेव भगवान शिवके प्राकट्य दिवस आ शिव पार्वतीके विवाह महोत्सव सेहो मनाओलजाइत अछि । व्रतसब मध्य सर्वोत्तम कहललगेल महाशिवरात्रिकदिन पूजा, अर्चनाकक व्रत आ भगवान शिवके प्रियवस्तु दूध, धथुर आ बेलपत्र चढाओलजाइत छै । अहि पर्वकदिन उपवास रहिक ऊँ नमः शिवाय मंत्र जपलापर सद्धि लाभ होइत अछि आ यमलोक नैजाएपरैत अछि बातक धार्मिक विश्वास सेहो रहल छै । अहिबेर कोरोना संक्रमण क्षीण होइत गेलाके कारण उल्लेख्य संख्याके श्रद्धालु आ आस्थावानसब शिव मन्दिरधरि पहुँच रहल अछि ।

यद्यपि विराटनगरस्थित विराटेश्वर लगायतक कतेको शिव मन्दिरसबमें कोरोना जोखिमके ध्यान रखैत बाहेरसँ शिवलिङपर जलअर्पणके ब्यवस्था कएलगेल अछि । हिन्दु धर्मावलम्बीसब देवाधि देव महादेवकेरुपमें भगवान शिवके पुजा करैत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु