विराटनगर १५ फागुन । महाशिवरात्री आयोजनाके पुर्वसन्ध्यामें विराटनगरके ऐतिहासिक धार्मिकस्थल मण्ठा पोखरि क्षेत्रके सरसफाई कएलगेल छै ।
सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र रानीके अगुवाईमें रबिदिन भोरे मण्ठा पोखरि क्षेत्रके सरसफाई कएलगेल छै । सरसफाईमें ईलाका प्रहरी कार्यालय रानी, १ नम्बर प्रदेश सशस्त्र प्रहरी गण,नागरीक समाज आ लायन्स क्लब अफ विराटनगर मिल्स एरिया सहभागिता कएने अछि । सरसफाईके क्रममें विराटनगर १४ रानीस्थित मण्ठा पोखरि अगलबगलके चौरी आ बाबा बाणेश्वरनाथ महादेव मन्दिर परिसरके सरसफाई कएलगेल छै । महाशिवरात्रीके अवसरमें मण्ठा पोखरि परिसरमें हरेकबर्ष भारी धार्मिक मेला लगैत अएलासँ ओहिसँ पहिने सरसफाई कएलगेल सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र रानीके अध्यक्ष किशोर सुब्बा बतौनेछथि । महाशिवरात्रीके पर्व शुरु होबसँ पहिने प्रहरी आ नागरीक समाजसंगके सहकार्यमें सरसफाई कार्यक्रम आयोजन कएलगेल ओ बतौनेछथि ।
ओहिक्रममे मण्ठा पोखरिक्षेत्रके १ बिग्घासँ बेसी क्षेत्रफलक सरसफाई कएलगेल आयोजक संस्थाके सचिव अर्जुनकुमार क्षेत्री बतौनेछथि । अहिबर्ष फागुन १७ गते महाशिवरात्रीके दिनसँ शुरु होबएबला धार्मिक मेला तीनदिनधरि चलत बाबा बाणेश्वरनाथ शिव मन्दिर, मण्ठा पोखरिके अध्यक्ष गंगाप्रसाद यादव बतौनेछथि । कार्यक्रममें इलाका प्रहरी कार्यालय रानीके प्रहरी निरीक्षक प्रकाश राउत,सशस्त्र प्रहरी गणके सई कृष्णप्रसाद भट्टराई,समाजसेवी अनन्तलाल यादव आ लायन्स क्लब मिल्स एरियाके अध्यक्ष प्रहलाद बस्नेत लगायतक सहभागिता रहल छल ।