विराटनगर १४ फागुन । विराटनगरस्थित रौनियार सेवा समाजके अध्यक्षमें समाजसेवी अवधनारायण रौनियार निर्वाचित भेलछथि ।

समाजके नवम् साधारणसभासँ रौनियार आगामी ३ बर्ष कार्यकालहेतु अध्यक्ष पदपर सर्वसम्मत निर्वाचित भेलछथि । हुनकासंगे १९ सदस्सिय नया कार्यसमिति सेहो सर्वसम्मत भेल अछि । जाहिअनुसार उपाध्यक्षद्वयमें मनोज गुप्ता आ रंजितकुमार गुप्ता,महासचिव शम्भुप्रसाद गुप्ता,सचिव अशोक गुप्ता,सहसचिव बैजनाथ गुप्ता आ कोषाध्यक्षमें रामलखन साह निर्वाचित भेलछथि । सदस्यसबमें विश्वनाथ गुप्ता,मनिस साह,अशोक साह,जनार्दन साह,सन्तोषप्रसाद साह,मनोजकुमार रौनियार,बिनोद साह,ओमप्रकाश गुप्ता आ पन्नालाल गुप्ता निर्वाचित भेलछथि । तहिना महिला सदस्यसबमें किरणदेवी रौनियार आ कल्पनादेवी साह निर्वाचित भेलनि, रौनियार सेवा समाजक उपाध्यक्ष रंजितकुमार साह जानकारी देनेछथि ।

अहिबीच नया कार्यसमिति निर्वाचित भेलासंगे ३ कार्यकाल लगातार अध्यक्षके जिम्मेबारी सम्हारनिहार समाजसेवी रामनरेश साह, नवनिर्वाचित अध्यक्ष अवधनारायण रौनियारके संस्थाके सम्पुर्ण कार्यभार हस्तान्तरण कएनेछथि । ओहि अवसरमें बजैत निर्वतमान अध्यक्ष साह,अपन कार्यकालमें संस्थाके भवन निर्माणके महत्वपुर्ण काज सम्पन भेल बतौनेछलथि । ओम्हर नवनिर्वाचित अध्यक्ष रौनियार, आगामी दिनमें रौनियार समाजके उत्थानकलेल आवश्यक हरेक तरहके कार्यक्रमसब संचालन करवाक प्रतिबद्धता ब्यक्त कएलनि । कार्यक्रममें विराटनगर ११ के वडाध्यक्ष तीर्थेन्द्र न्यौपाने आ रौनियार सेवा समाजके संस्थापक अध्यक्ष महाबिरप्रसाद रौनियार लगायतके सहभागिता रहल छल ।

विक्रमसम्बत २०५८ सालमें रौनियार सेवा समाजके स्थापना भेल छल । विराटनगर महानगरपालिकामें लगभग ६ हजारके संख्यामें रौनियार समुदायके बसोबास रहल बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु