विराटनगर ९ फागुन । मैथिली–नेपाली सङ्गीतमे नवका म्यूजिक भिडियो होरी प्रेम गीत ‘प्रेमक पिचकारी’ सार्वजनिक भेल अछि । गीतमें नेपाली आ मैथिली भाषा सङ्गीत क्षेत्रमे चर्चा बटोरि रहल गायक नितिन गजुरेल आ चर्चित गायिका ज्योती विश्वकर्माक स्वर रहल अछि ।

मैथिली भाषा–सङ्गीतक युवा गीतकार विद्यानन्द वेदर्दीक शब्द रहल उक्त म्युजिक भिडियोमे नेपालक ख्यातीप्राप्त अभिनेत्री तथा मोडेल अञ्जली अधिकारी आ लोकप्रिय मोडेल सुधीर श्रेष्ठक झमटगर अभिनय रहल अछि । गीतक सङ्गीत कम्पोज नितिन गजुरेल आ सङ्गीतक संयोजन भूपेन्द्र रायमाझी कएने छथि ।
नेपाली फिल्म उद्योगक प्रसिद्ध कोरियोग्राफर एवं निर्देशक कमल राईक निर्देशन रहल अहि गीतके बुद्ध थापा छायाङ्कन कएने छथि तहिना गीतक ईडिट, कलरिङ्ग आ पोस्टर डिजाइन चर्चित डिजाइनर विष्णु खड्गा कएने छथि । भिडियोक प्रस्तुति विद्यानन्द वेदर्दीक रहल अछि त पोस्ट प्रोडक्शन सफल मोसन पिक्चर कएने अछि ।

अहि प्रेम–गीति भिडियोमे प्रेमी जोड़ीसबहक होरीक नटखट प्रेम देखाएलगेल अछि । मिथिलामे होरीक दिन दुश्मनोकेँ रङ्ग–अवीर लगाकऽ हिया मिलबैत मीत बनाएल जाइत अछि । तहिना बैर–भाव छोडि राष्ट्रिय एकतालेल भातृत्व प्रेम रखबाक लेल सन्देश सेहो देल गेल अछि । गीतमे जोगिराक छनक सेहो समेटल गेल अछि । राष्ट्रिय स्तरमे ‘मैथिली’ भाषाक लोकप्रियता सङ्गीत मादे निरन्तर बढ़ा रहल सङ्गीतज्ञ नितिन गजुरेलक ई तेसर मैथिली म्यूजिक भिडियो रहल अछि । क्यू यश आर युट्यूब चैनल मार्फत इ गीत फागुन ७ गते सार्वजनिक कएलगेल अछि । समग्र मैथिली गीत (खास कऽ होरी) मे बढ़ैत अश्लीलता हटाबऽ चाहनिहार निरन्तर प्रयासमे लागल सामाजिक अभियानमे चिन्तनशील विचारधाराक श्रोतासबकेँ बेस्स मोन पड़बाक निर्माण पक्षक अपेक्षा रहल अछि ।

नेपाली भाषा गीत–सङ्गीत क्षेत्रमे अलगे पहिचान बनेनिहार कलाकारसबहक सहभागिता रहल गीत सकारात्मक सनेश पहुँचेबाक दृढ विश्वास निर्माण टीमक रहल अछि । ‘प्रेमक पिचकारी’ गीत देखएलेल अहि लिंकपर क्लिक करु https://www.youtube.com/watch?v=5_YpFyKFlzU

सम्बन्धित खबरहरु