विराटनगर,८ फागुन । नेपाल तथा भारतक टिमके सहभागि कराक विराटनगरमें मिल्सकप क्रिकेट प्रतियोगिता आयोजना होमजारहल अछि । अहि फागुन २० गतेसँ प्रतियोगिता आयोजना होएत ।

आयोजक मिल्स क्रिकेट क्लव एण्ड एकेडेमी विराटनगरमें पत्रकार सम्मेलनके आयोजना कक ओहि बिषयमें जानकारी करएने अछि । नेपाल आ भारतक विभिन्न १६ टिमके सहभागिता रहल उक्त प्रतियोगिता विराटनगर जुट मिलके खेल मैदानमें होएत । प्रदेशमे क्रिकेट खेलके अवस्था सुधार करएहेतु आ युवासबमें क्रिकेटप्रति आकर्षण जगाबलेल प्रतियोगिता आयोजन कएलजारहल आयोजक समिति बतएने अछि । आयोजक एकेडेमीके अध्यक्ष मुरारी चौधरी, नकआउट आधारमें खेलाएलजाएबला टि–२० क्रिकेट प्रतियोगितामें कटिहार क्रिकेट क्लब भारत, जोगबनी क्रिकेट क्लब भारत आ भैरहवा क्रिकेट क्लब, जनकपुर क्रिकेट क्लव, बोस्टन क्रिकेट क्लव झपा, होराईजन क्रिकेट क्लब विराटनगर, विराट क्रिकेट क्लब एण्ड एकेडेमी विराटनगर तथा मिल्स क्रिकेट क्लब विराटनगरके सहभागिता रहत जानकारी देलनि ।

तहिना पुर्णिया क्रिकेट क्लब भारत, कानपुर क्रिकेट क्लब भारत, काठमाण्डु क्रिकेट कल्ब, सिरहा क्रिकेट क्लब, सुनसरी–११ क्रिकेट क्लब, पूर्वाञ्चल क्रिकेट क्लब विराटनगर, प्याट्रिक क्रिकेट क्लब झापा, एमसिसिए विराटनगर समेत कक १६ टिमके सहभागिता रहत । प्रतियोगितामे प्रथम होबबला टीमके नगद १ लाख ११ हजार,दोसरके ५१ हजार आ अन्य विभिन्न विधामा उत्कृष्ठ भेल खेलाडीसबके सेहो नगद पुरस्कारके व्यवस्था कएलगेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।

प्रदेशभितर होबबला प्रतियोगितासबमें एतेक पैघ राशिके इ पहिल प्रतियोगिता रहल आयोजक जानकारी देने अछि । प्रतियोगिताके फाइनल खेल चैत १ गते सम्पन्न होएत बताएलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु