विराटनगर ६ फागुन । प्रदेश नम्बर एकके नामांकन प्रक्रिया सुरु करएलेल प्रदेश सरकार फागुन १० गते सर्वदलीय बैठक आह्वान कयने अछि ।
नामांकनक लेल समन्वय तथा सहजीकरण करहेतु अहिसँ पहिने प्रदेश नम्बर एक सरकारद्वारा बनाएलगेल समितिके दिससँ सर्वदलीय बैठकके आह्वान कयलगेल अछि । प्रदेश नम्बर एकके सरकार वितल माघ १६ गतेके मन्त्रिपरिषद् बैठक सँ तत्कालीन सामाजिक विकास मन्त्री जयराम यादवके प्रदेश नम्बर एकके नामांकनाक लेल समन्वय तथा सहजीकरण करके जिम्मा देने छल । उक्त समितिके जिम्मेवारी अनुसार,बृहस्पतिदिन मुख्यमन्त्री राजेन्द्रकुमार राईके उपस्थितिमे बैसल बैठकसँ प्रदेशके नाम सुनिश्चित करएहेतु प्रक्रिया आगा बढाओल जारहल अछि ।
बैठकमे नेपाली कांग्रेसके दिससँ संसदीय दलक उपनेता एवं सडक, पूर्वाधार तथा शहरी विकास मन्त्री हिमाल कार्की, नेकपा माओवादी केन्द्रके संसदीय दलक नेता एवं आर्थिक मामिला तथा योजना मन्त्री इन्द्र आङ्बो आ संघीय लोकतान्त्रिक राष्ट्रिय मञ्चके संसदीय दलक नेता तथा सामाजिक विकास राज्यमन्त्री विष्णु तुम्बाहाम्फे सहभागी भेल छलथि ।
बैठकद्वारा सत्तारुढ पाँच दलीय गठबन्धनके दिससँ सर्वसम्मत सँ प्रदेश एकके नाम प्रस्ताव करके प्रारम्भिक सहमति कयलगेल वर्तमान स्वास्थ्य मन्त्री तथा प्रदेशके नामांकनके लेल गठित समन्वय तथा सहजीकरण समितिके प्रमुख जयराम यादव जानकारी देलनि । मन्त्री यादव प्रदेश एकके नामांकन विषयमे फागुन १० गते प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेकपा एमाले सहितके सर्वदलीय बैठक कयलजाएत जानकारी देलनि ।
उक्त बैठकमे प्रदेश सभामे प्रतिनिधित्व कएनिहार सब राजनीतिक दलके संसदीय दलके नेता, उक्त दलसबहक प्रदेश कमिटी अध्यक्ष÷सभापति, सरकारके सब मन्त्रीसब सहभागि होएताह मन्त्री यादव जानकारी देनेछथि ।