विराटनगर, २५ माघ । प्रदेश १ में बितल २४ घण्टामें २७४ गोटामें कोरोना संक्रमण भेल अछि । ५९३ गोटेके पीसीआर परीक्षण कएलापर १२८ आ ५३६ गोटेके एन्टिजेन परीक्षण कएलापर १४६ गोटामें संक्रमण देखाएल सामाजिक विकास मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।

मन्त्रालयके अनुसार पीसीआर परीक्षणके आधारमें मोरङमे ५७, सुनसरीमे २९, झापामे २२, संखुवासभा आ भोजपुरमें ४–४, धनकुटामें ३, पाँचथर, इलाम आ उदयपुरमे १–१ आ प्रदेश १ बाहरके ६ गोटे ब्यक्तीमें संक्रमण देखाएल अछि । विराटनगरमें २९, बेलबारीमें ५, बुढीगंगा, पथरीशनिश्चरे आ जदहामें ४–४, रंगेली, ग्रामथान, उर्लाबारी आ रतुवामाईमें २–२, केराबारी, सुन्दरहरैचा आ मिक्लाजुङमें १–१ गोटेमें कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल अछि । तहिना सुनसरीके इटहरीमें १३, धरानमें ६, रामधुनीमें ३, देवानगञ्ज, बराहक्षेत्र आ दुहवीमें २–२ आ स्थानीय तह पता नैलागल १, झापाके विर्तामोडमें ७, अर्जुनधारा, कनकाई आ भद्रपुरमें ३–३, दमकमें २, शिवसताक्षी, मेचीनगर, कमल आ झापा गाउँपालिकामे १–१,संखुवासभाके खाँदबारीमें २, सभापोखरी आ स्थानीय तह नखुजल १–१, भोजपुरके भोजपुर नगरपालिकामें ३ गोटेमें कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल अछि ।

प्रदेश १ में आई ३८१ ब्यक्ती कोरोना संक्रमणमुक्त भेल अछि । बितल २४ घण्टामें कोरोना संक्रमणके कारण प्रदेशमें ६ गोटाके मृत्यु भेल सामाजिक विकास मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु