विराटनगर २३ माघ । सामुदायिक सेवा केन्द्र रानी, विराटनगर महानगरपालिकाके १५३ गोटे विपन्न तथा अशक्तके कम्बल वितरण कएने अछि ।
सामुदायिक सेवा केन्द्र, रानीस्थित सार्वजनिक दुर्गा मन्दिर परिसरमें रबिदिन एकटा कार्यक्रमके अयाोजना कक विपन्न,अशक्त,अपाङता भेल तथा ७० बर्ष सँ उपरके जेष्ठ नागरीकसबके कम्बल वितरण कएने अछि । कार्यक्रमकबीच १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालयके प्रमुख डिआइजी अरुणकुमार बिसि लक्षितबर्गके कम्बल हस्तान्तरण कएने छलथि । ओहिक्रममें विराटनगर महानगरपालिकाके वडानम्बर १३,१४,१५,१६ आ १७ नम्बर वडामें बसोबास केनिहार आर्थिकरुपसँ विपन्न लक्षित बर्गके कम्बल वितरण कएलगेल सामुदायिक सेवाकेन्द्र रानीके सचिव अर्जुनकुमार क्षेत्री बतौनेछथि ।
ठण्ढीके समयमें लक्षितबर्गके किछु राहत पहुँचए उद्धेश्यसँ बिगत किछुबर्ष एम्हर प्रत्येक बर्ष कम्बल वितरण करैत आएल सामुदायिक सेवा केन्द्र रानीके अध्यक्ष किशोर सुब्बा बतौनेछथि । बिगतके बर्षसब जँका अहिबेर सेहो समित सारडा स्मृति प्रतिष्ठानके सहयोगमें कम्बल वितरण कएलगेल ओ बतौनेछथि ।
कार्यक्रममें समित सारडा स्मृति प्रतिष्ठानक अमित सारडा,विराटनगर १५ के वडाध्यक्ष असलम आलम,१६ नम्बर वडाके वडाध्यक्ष मनोज सुब्बा आ जोगबनी नगरपंचायतके पुर्व उपमेयर नरेशप्रसाद सहित समाजसेवी सबहक सहभागिता रहल छल ।