विराटनगर २२ माघ । विराटनगरके सिंघीया, केसलिया करिडोर आ भारतके मीरगंज पुलके कारण सृजित समस्या समाधानक लेल भारतके बिहार सरकारक उपमुख्यमन्त्री तारकेश्वर प्रसाद आ प्रदेश नम्बर १ के आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्री केदार कार्कीबिच बिचारबिमर्श भेल अछि ।
नेपाल भ्रमणमें रहल बिहारक उपमुख्यमन्त्री प्रसाद आ आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्री कार्कीबिच शुक्रदिन भेल छलफलमें प्रदेश राजधानी विराटनगर होइत बहएबला दुटा प्रमुख नदी सिंघीया आ केसलियामें तटबन्ध सहितके करिडोर निर्माणक विषयमें छलफल भेल मन्त्री कार्कीके सचिवालय जानकारी देने अछि । सचिवालयके अनुसार प्रदेश १ के राजधानी विराटनगर भक बिहारदिस बहएबला सिंघीया आ केसलिया नदीमें आबबला बाढि बिहारके जनताके सेहो दुःख दैत अएलासँ व्यवस्थित तटबन्ध सहितके करिडोर निर्माण केनाई आवश्यक रहल मन्त्री कार्की बतौनेछलथि ।
तहिना छलफलमें बितल पुष २२ गतेसँ रानी भन्सारसँ करिब चारि किलोमिटर दक्षिण रहल मीरगंज पुलके विकल्प खोजहेतु सेहो मन्त्री कार्की आग्रह केनेछलथि । पुल भसिअएलापर रानी सिमासँ मालवाहक सबारी साधनके आवागमन रुकल अछि । बातचीतके क्रममें मन्त्री कार्की समस्या समाधानक लेल निर्माणाधीन दोसर पक्की पुल अविलम्ब सञ्चालन कक आयात निर्यातमें सहयोग क देबलेल आग्रह कएने छलथि ।
सचिवालयके अनुसार मन्त्री कार्की दुनु प्रदेशके सीमा क्षेत्रमें होबएबला आपराधिक गतिविधि नियन्त्रण, भारतके बिहारसंग जुडल सीमाद्वारमें सुरक्षाके व्यवस्थित बनाबके,दुनु प्रदेशके सीमा क्षेत्रमें सामाजिक सद्भाव बढाबके विषयमें सेहो सकारात्मक छलफल भेल अछि ।
खुला सीमाके कारण दुनु प्रदेशके सीमामें होबबला आपराधिक गतिविधि नियन्त्रण चुनौतीपूर्ण रहल कहैत ओ तेकरा व्यवस्थित बनाबहेतु दुुनुदिसके सुरक्षा निकायके सजग कराओलजाएत मन्त्री कार्की जानकारी देनेछथि ।