विराटनगर । आई विश्व मुटु दिवस, विराटनगरमें सेहो मनाएलजारहल अछि ।

ओहि अवसरमें चिकित्सक,स्वास्थ्यकर्मी आ मेडिकल प्रतिनिधिसबहक समुह विराटनगरमें जनचेतनामुलक दौड आयोजन कएने अछि । कोशी अस्पतालसँ शुरु भेल दौडके सहभागि शनिहाटसँ तिनपैनीचौक,मेनरोड,जलजलाचौक होईत फेरसँ कोशी अस्पताल पहुँचल छल ।

दौडमें ३ दर्जनसँ बेसी चकित्सक सहित स्वाथ्यकर्मी आ मेडिकल प्रतिनिधिसब सहभागि भेल छल । एम्हर आबिक विश्वभरिक साथे नेपालमें सेहो हृदय रोगीके संख्या बढैतगेल कोशी अस्पताल विराटनगरके मेडिकल सुपरीटेण्डेन्ट डाक्टर लक्ष्मीनारायण यादव जानकारी देनेछथि ।

ब्यवस्थित जीवनशैली,ब्यायाम आ औषधिके सेवनसँ हृदयके स्वस्थ्य राखलजासकैत अछि ओ बतौनेछथि । सन २००० सँ सेप्टेम्बरके अन्तिम रबिके विश्व मुटु फेडेरेशन आ विश्व स्वास्थ्य संगठन विश्व मुटु दिवसके रुपमें मनाबके शुरु कएलोपर किछुबर्ष एम्हर सेप्टेम्बर २९ के विश्व मुटु दिवसके रुपमें मनाएलजारहल अछि ।

नेपालमें सेहो मुटुरोगके बिमारसब अत्याधिक बढैत गेलाके कारण बिभिन्न चेतनामुलक कार्यक्रम कक मुटुदिवस मनाओलजाईत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु