विराटनगर ९ चैत । विद्यार्थीसबके लक्षितकक विराटनगरमें वित्तीय साक्षरता गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि ।

श्री इन्भेष्टमेन्ट एण्ड फाइनान्स कम्पनी लिमिटेडके आयोजनामें कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि । उक्त फाइनान्स कम्पनी विराटनगरके जेनिथ इन्टरनेश्नल कलेजमें मंगलदिन कार्यक्रम आयोजन कएलक । कार्यक्रममें ओहि कलेजमे एमबिए आ बिबिएमें अध्यनरत ५० गोटे विद्यार्थी सहभागि भेल अछि । सहभागिके अर्थबिद् प्रोफेसर डाक्टर पिके झा आ नेपाल राष्ट्र बैंकके प्रदेश १ प्रमुख मिना पाण्डे विद्यार्थीसबके वित्तीय साक्षरताके बिषयमें बिस्तृत जानकारी करएने छलथि ।

युवायुवतीमें वित्तीय साक्षरताके बिषयमें जागरण आनलेल,बित्तीय ज्ञानदक्षता,मनोबृति आ ब्यवहारमें सुधार आनिक वित्तिय क्षमता अभिबृद्धिके माध्यमसँ विवेकशील वित्तिय निर्णय लेबमें सहयोग भेटए लगायतक उद्धेश्यसहित गोष्ठी आयोजन कएलगेल आयोजक श्री इन्भेष्टमेन्ट एण्ड फाइनान्स कम्पनी लिमिटेडके विराटनगर शाखा प्रबन्धक हरिबहादुर श्रेष्ठ बतौनेछथि ।

२१ मार्चसँ २७ मार्चधरिक मनाएलजारहल ‘ग्लोबल मनि विक’ सप्ताहब्यापी वित्तिय साक्षरता अभियान अन्र्तगत नेपाल राष्ट्र बैंकके निर्देशन बमोजिम कार्यक्रम कएलगेल श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि ।

कार्यक्रममें कलेजक चेयरमैन डाक्टर डिएन चौधरी आ डाक्टर सन्देशदास श्रेष्ठ लगायतक ब्यक्तीसब सेहो वित्तीय साक्षरताके बिषयमें अपन धारणा रखने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु