विराटनगरमें केन्द्रीय कार्यालय रहल अप्पन ब्राह्मण समाजके अध्यक्षमें मिथिलेश ठाकुर निर्वाचित भेल छथि ।
ठाकुरके अध्यक्षतामें १३ सदस्यिय नया कार्यसमिति सेहो निर्वाचित भेल अछि । संस्थाके अध्यक्ष कुमुदमोहन झाके अध्यक्षतामें भेल तेसर बार्षिक साधारण सभासँ नया कार्यसमिति चयन भेल अछि ।
नया कार्यसमितिके उपाध्यक्षमें अमर कुमार झा आ सुनिल कुमार झा सर्वसम्मत निर्वाचित भेल छथि । तहिना सचिव सुजितकुमार चौधरी,सहसचिव मृत्यूञ्जयकुमार झा,कोषाध्यक्षमें दिपेन्द्रकुमार झा निर्वाचित भेल छथि ।

एवम प्रकारसँ सदस्यगणमें नन्दलाल झा,मिथिलेश कुमार मिश्र,सरोजकुमार मिश्र,भविष्य मिश्र,आरती झा,मन्जु मिश्र आ रोजी मिश्र छथि । विराटनगर १३ स्थित संकट मोचन हनुमान मन्दिरमें समितिके साधारण सभा भेल छल ।
कार्यक्रममें प्रमुख अतिथीके रुपमें डा. नारायण झा सहित अतिथिगण प्राडा निलम्बर झा, १३ नम्बरके वडाध्यक्ष सुर्यलाल यादव, भगवान झा,लक्ष्मीरमण झा,सुजित कुमार चौधरी लगायतक सहभागिता छल ।
निर्वाचनहेतु ईन्जीनियर अभयचन्द्र झा के संयोजकत्वमें चन्द्रेश्वर ठाकुर एवम पत्रकार प्रभाष चन्द्र झा सम्मिलित ३ सदस्यिय निर्वाचन समिति गठन कएलगेल छल ।

