कटहरी गाउँपालिकामें किसानके ५० प्रतिशत लागत साझेदारीमें कृषियन्त्र तथा सामाग्रि वितरण कएलगेल अछि ।

संघीय सरकारद्वारा संचालित प्रधानमन्त्री कृषि आधुनिकीकरण परियोजना संग सहकार्य करैत कटहरी गाउँपालिका मार्फत किसानके कृषि यन्त्र आ सामाग्रि वितरण कएलगेल अछि । ओहि गाउँपालिकाके वडानम्बर १ महेशपुरस्थित तोरी बाली पकेट कार्यक्रम अन्तर्गत चौधरी कृषक समुहमें आबद्ध किसानके उक्त सामाग्रि वितरण कएलगेल अछि ।

ओहिक्रममें समुहमें आबद्ध किसानके लागत मुल्यके ५० प्रतिशत अनुदानमें कृषि सामाग्रि वितरण कएलगेल समुहक अध्यक्ष हरिनारायण माझी जानकारी देनेछथि । समुहमें आबद्ध किसानसबके पावर टेलर २ टा ,स्प्रेयर १५,पानी पटबएबला मोटर २ एचपीके ५ टा,त्रिपाल २० टा ,कोदारि १५ आ ५ टा दाँती वितरण कएलगेल छल ।

कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी,उपाध्यक्ष सिता राजवंशी आ प्रमुख प्रशासकिय अधिकृत रोहिणी आचार्य किसानके उक्त सामाग्रि हस्तान्तरण कएलनि । तोरी फसलके प्रर्बधनहेतु आबद्ध समुहके सदस्यके लागत साझेदारीमें सामाग्रि उपलब्ध कराएलगेल गाउँपालिका प्रमुख चौधरी बतौलनि ।

समुहमे आबद्ध उक्त क्षेत्रके किसान १८ बिगहासँ बेसी क्षेत्रफलमें तोरीके खेती करहल बताओलगेल अछि । गाउँपालिकासंग सहकार्य करैत प्रधानमन्त्री कृषि आधुनिकीकरण परियोजना उक्त पकेट क्षेत्रकेलेल १२ लाख बजेट बिनियोजन कएने अछि । सैह रकममें सँ लागत साझेदारीमें किसानाके सामाग्रि वितरण कएलगेल अछि ।

अहिसँ पहिने ओहि बजेटमें सँ किसानके बिहन,मलखाध लगायतक सामाग्रि सेहो वितरण कएलगेल समुहके अध्यक्ष माझी जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु