विराटनगरके सामाजिक अभियन्ता एवम यूवा नेता फिरोज साह संघीय सांसदमें उम्मेद्वारी देबाक घोषणा कएने छथि ।
साह आबबला अगहन ४ में होबएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनमें क्षेत्रनम्बर ५ सँ स्वतन्त्र उम्मेद्वारी देबके घोषणा कएने छथि । अढाई दशक बेसी समयसँ नेपाली काँग्रेसमें आबद्ध रहल साह विराटनगर १३ सँ नेपाली काँग्रेसके क्रियाशिल सदस्य सेहो छथि ।
क्षेत्रबासी जनताके शिक्षा,स्वास्थ्यमें पहुँच,बेरोजगारी न्यूनिकरण आ किसानके आवश्यक समयमें मलखाध उपलब्धताके पहल करएके उद्धेश्यसहित स्वयं उम्मेद्वारी देबलागल साह बतौनेछथि । विराटनगर १३ निवासी ४५ बर्षिय साह ब्यवसायि छथि ।
सामाजिक अभियन्ताके रुपमें सेहो चिन्हाएबला साह धर्मकर्म,मन्दिर निर्माण आ सर्वसाधारणके समस्यामें सहयोग करैत आएल छथि । पेशा नहि अपितु सेवा करएके उद्धेश्यसहित संसदीय राजनीतिमें प्रवेश करएलागल साह बतौनेछथि ।
यूवासबहक साथ आ सर्मथन रहलासँ अहिबेर क्षेत्रनम्बर ५ सँ अपने उम्मेद्वारी देबलागल साहके कहब अछि । बिगतमें जितक गेलसब जनताके आशा अनुसार काज नैकसलास अपने जनताके वास्तविक सेवक भक काम करएके उद्धेश्य लेलहुँ साह बतौनेछथि ।
अहिसँ पहिने कोरोना महामारी,बाढी पीडित आ कोशी कटान लगायतक विपत्तिके समयमें सेहो ओ अग्रपंक्तीमें रहिक राहत आ उद्धारके काम कचुकल छथि ।