विराटनगर, १० चैत । प्रदेश नम्बर एकके मुख्यमन्त्री राजेन्द्रकुमार राईसँग नेपालकलेल स्वीजरल्याण्डके राजदूत एलिजावेथ भोन क्याप्लर द्विपक्षीय हितके बिषयमें भेटवार्ता कएनेछथि ।

राजदूत भोन क्याप्लरके मुख्यमन्त्री राईसँग इ दोसर बेरके भेंटघाट अछि । अहिसँ पहिने हुनकासबबीच पुस १ गते भेंटघाट भेल छल । अजुका भेंटघाटमें राजदूत भोन क्याप्लर पहिलुका भेंटघाटके निरन्तरताके रुपमें स्वीस सहायतासँ सञ्चालनमें रहल परियोजनाके बिषयमें थप छलफल आ समीक्षाके इच्छुक रहल उल्लेख कएने छलथि ।

अहिबीचमें प्रदेश १ सरकारद्वारा स्वीस परियोजनाअन्तर्गत रहल पदमार्गमें आधारित पर्यटन विकास परियोजना स्वीकृत कएलापर राजदूत क्याप्लर खुशी व्यक्त कएने छलथि । विकास साझेदारसब मध्य अपनेसब सम्भवतः प्रदेश सरकारसँग अत्यन्त प्रगाढ आ लगके सम्बन्धमें रहिक साझेदारीमें काम करके भेटल कहैत ओ थप प्रसन्नता व्यक्त कएनेछलथि । राजदुत क्याप्लर प्रदेश १ में लगभग २ अर्ब बराबरके सहयोग कार्यक्रम सञ्चालनमें रहल बतौने छलथि ।

भेटघाटके अवसरमें मुख्यमन्त्री राई, स्वीस परियोजना अन्तर्गत सञ्चालित कार्यक्रमके महिन ढंगसँ अध्ययन नै कसकलोपर इ परियोजना प्रदेश १ के लेल एकमात्र वैदेशिक सहयोगके कार्यक्रम रहल बतौने छलथि । सहयोग आ सहकार्य निरन्तर रहत बातक ओ विश्वास व्यक्त कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु