विराटनगर ८ चैत । विराटनगरके समाजसेवी मनोज गोयल मेधावी छात्रासबके छात्रबृति वितरणके उद्धेश्यसहित १० लाख रकमके अक्षयकोष स्थापना कएनेछथि ।
समाजसेवी गोयल विराटनगर ७ स्थित सत्यनारायण माध्यमिक विद्यालयके छात्रासबके छात्रबृति वितरणके उद्धेश्यसहित अक्षयकोष स्थापना कएनेछथि । ओ अपन स्वर्गिय धर्मपत्नी श्रीमती सुमनदेवी गोयलके स्मृतिमें कोषके स्थापना कएनेछथि । विद्यालय परिसरमें मंगलदिन आयोजित कार्यक्रमकबीच समाजसेवी एवम् कोषके संरक्षक समाजसेवी दीनबन्धु गोयल अक्षयकोषके घोषणा कएलनि ।
ओहिबिषयमें जानकारी दैत ओ अक्षयकोषके रकमसँ प्राप्त होबएबला ब्याजसँ प्रत्येकबर्ष कक्षा ६ सँ लक १२ कक्षाधरि प्रथम होबएबला ७ गोटे छात्राके ११ हजारके दरसँ छात्रबृति प्रदान कएलजाएत बतौलनि । अक्षयकोषके संस्थापक मनोज गोयल अहि विद्यालयके पुर्व विद्यार्थी सेहो रहल छथि । अहिबीच कार्यक्रममे कक्षा ९ सँ १२ धरिके २२ गोटे मेधावी विद्यार्थीके ३ हजार आ ४ हजारके दरसँ छात्रबृति प्रदान कएलगेल छल ।
गोयल परिवारद्वारा अहिसँ पहिने २०५८ सालमें सेहो स्थापना कएलगेल सुमनदेवी गोयल छात्रबृतिके पहिल कोषसँ २२ गोटे विद्यार्थीके ७८ हजार रकमके छात्रबृति प्रदान कएलगेल छल । कार्यक्रमबीच समाजसेवी दीनबन्धु गोयल तथा मनोज गोयल,नेपाल पत्रकार महासंघका मोरङ अध्यक्ष संजिव खनाल,विद्यालयका प्रधानाध्यापक धर्मानन्द खरेल आ विद्यालय ब्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष मोहनप्रसाद श्रेष्ठ लगायत विद्यार्थीसबके प्रशंसा पत्र आ छात्रबृतिके रकम हस्तान्तरण कएलनि ।
ओहि अवसरमें विद्यालय सेहो अपन आन्तरिक श्रोतसँ १५ गोटे विद्यार्थीके छात्रबृति वितरण कएने छल । २०७७ सालके बार्षिक परीक्षामें हरेक बिषयक्षेत्रमें प्रथम भेल छात्रछात्राके न्युनतम ३ हजारसँ अधिकतम २८ हजार राशिके छात्रबृति प्रदान कएलगेल विद्यालयके प्रधानाध्यापक धर्मानन्द खरेल जानकारी देनेछथि ।