विराटनगर २७ फागुन । आदिवासी संथाल समुदायके हकअधिकार स्थापित करएहेतु ‘नेपाल संथाल आदिवासी पैरवी महासंघ’ नामक संस्था गठन कएलगेल अछि ।

समाजसेवी डाक्टर सेमलाल हेम्ब्रमके अध्यक्षतामें विराटनगरमे भेल अगुवा तथा बुद्धिजीविसबहक बैसारसँ सल्लाहकार सहित १९ सदस्यिय महासंघके तदर्थ समिति गठन कएलगेल अछि । मोरङक बिरेन्द्र किस्कुके अध्यक्षतामें तदर्थ समिति गठन भेल अछि । समितिके उपाध्यक्षमें झापाके पर्दिप मुर्मु,महासचिव मोरङके भुपेन्द्र मरणडी,सचिव झापाके मन्दिरा मुर्मु आ मोरङके मिना मर्डीके कोषाध्यक्षमें चयन कएलगेल अछि ।

तहिना सदस्यसबमें झापाके सुकोल मुर्मु आ सिकार मुर्मु मोरङके राज मुर्मु, बिजय टुडु आ मिलन बेस्रा छथि । एकगोटे उपाध्यक्ष आ किछु सदस्यसबहक चयन बांकी रहल बताओलगेल अछि । महासंघके ७ सदस्यि सल्लाहकारसबमें जोसेफ सोरेन, डास्शेम लाल हेमरम, बिनोद मुर्मु, सुजित सोरेन, जोवा सोरेन,मुन्सी मुर्मु आ राजेश हेमरम छथि । झापा,मोरङ,सुनसरीके विभिन्न क्षेत्रसँ सहभागिता करबैत महासंघ गठन कएलगेल संथाल लुथरन कल्याण समाजक अध्यक्ष जोसेफ सोरेन बतौनेछथि ।

संथाल समुदायक अधिकांश लोकसब अखनो अपन हकअधिकारक बिषयमें अनभिज्ञ रहल ओ बतौनेछथि । ओकरसबहक हकअधिकार सुनिश्चित कराबमें आवश्यक कानुनी सहित अन्य सहयोग नवगठित पैरवी महासंघ करत सोरेन बतौनेछथि । संथाल समुदाय पुस्तौसँ बनजंगल कातकरोटमें बसोबास करैत प्रकृतिके मुल संरक्षककेरुपमें भुमिका निर्वाह करैत अएलोपर हाल ओसब भुमिहीन होइगतेल अवस्था देखारहल समाजसेवी एवं बिआईसि नेपालक संस्थापक अध्यक्ष डाक्टर सेमलाल हेम्ब्रम बतौनेछथि ।

संबिधान प्रदत कतेको अधिकारसबहक बिषयमें सेहो ओसब जानकार नैभसकलासँ एहन अवस्था भेल ओ बतौनेछथि । नवगठित संस्था ओहिक्षेत्रमें सेहो काज करत ओ विश्वास ब्यक्त कएनेछथि । तदर्थ समिति संस्थाके बैधानिकरुपमें दर्ता कराबहेतु आवश्यक पहल करत आ ६ महिनाभितर संस्थाके मुर्तरुप दक उद्धेश्य अनुसारक काज शुरु करत नवगठित महासंघक अध्यक्ष किस्कु बतौनेछथि ।

ओहि अवसरमें सहभागि तिनु जिलाके संथाल कलाकारसब सांस्कृतिक नृत्य सेहो प्रस्तुत कएने छल ।

सम्बन्धित खबरहरु