विराटनगर १३ फागुन । विराटनगरके मलाया रोडस्थित दिब्यज्योती अस्पताल आँखिके जटिल ‘जलबिन्दु’ रोगके उपचार तथा शल्यक्रिया सेवा सुरु कएने अछि ।
उक्त अस्पताल शुक्रदिन पत्रकार सम्मेलनकक अत्याधुनिक उपकरण तथा विज्ञ चिकित्सक सबहक सहभागितामें जलबिन्दुके उपचार सेवा सुरु कएलगेल जानकारी करएने अछि । अस्पतालक आँखा रोग तथा जलबिन्दु रोग विशेषज्ञ डाक्टर प्रमोद शर्मा गौतम सहित आँखा रोग विशेषज्ञ डाक्टर हरिस यादव आ डाक्टर उदयचन्द्र प्रकाशके टिम जलबिन्दुके उपचार करहल अस्पताल जानकारी देने अछि । जलबिन्दुके उपचारकलेल एक करोडसँ बेसीके लगानी कक अस्पताल भितर अलगे बिभागके स्थापना कएलगेल अस्पतालके अध्यक्ष कमलेश कुमार कर्ण जानकारी देनेछथि । किछदिन एम्हर शुरु कएगेल जलबिन्दु उपचार सेवा अन्र्तगत हालधरि १२ गोटे रोगीके सफल शल्यक्रिया कएल जाचुकल अस्पतालक बिज्ञ डाक्टर गौतम जानकारी देनेछथि । जलबिन्दुके शल्यक्रिया लेजर मसिनसँ भरहल ओ बतौनेछथि ।
४० वर्षसँ उपरके ब्यक्तीसबमें जलबिन्दुके जोखिम बेसी रहलासँ अहि बिषयमें सचेतना फैलएनाई सेहो आवश्यक रहल विशेषज्ञ डा. शर्मा बतौनेछथि । ४० वर्ष उमर पार भेल १ सौ ब्यक्तीमे सँ ३ गोटधरिमें ई रोग देखारहल ओ बतौनेछथि । समय रहिते उपचार नै करएलापर जलबिन्दुके कारण आँखिके दृष्टि पुर्णरुपसँ गुमके सम्भावना रहैत अछि, डाक्टर शर्मा बतौनेछथि । दिब्यज्योतीमें अखनि दैनिक ३० सँ लक ५० गोटे रोगी ब्यक्तीसबहक आँखि तथा नाक, कान आ घेंउँटके शल्यक्रिया होइत आएल अस्पतालके निर्देशक देवा यादव बतौने छथि । तीनवर्ष पहिने संचालनमें आएल अस्पतालमें २४ घण्टा आकस्मिक सेवा, फिजिसियन सेवा, नाक, कान, गर्दन तथा आँखिके उपचार होइत अछि ।
अस्पतालमें डाक्टर संज्ञा ज्ञावाली फिजिसियन सेवा आ नाक, कान आ घेंउँट सम्बन्धि रोगके निदान डाक्टर राजिव साह करैत आएल छथि ।