बिराटनगर ८ फागुन । इलाका प्रहरी कार्यालय रंगेली, मोरङमें कार्यरत ईन्सपेक्टर अनमोल खड्का आ १ नम्वर प्रदेश प्रहरी कार्यालय, विराटनगर दरबन्दी रहल तथा अनुसन्धान समूह (आरआईटी) में कार्यरत सई फिरोज कुमार चौधरी माघ महिनाके सर्वोत्कृष्ट प्रहरी (बेस्ट पुलिस अफ दि मन्थ ) घोषित भेल छथि ।

अपन जिम्मेबारीमें आएल काम कर्तव्यनिष्ठ आ साहसपुर्वक कार्यसम्पादन कएलबातक मुल्यांकन करैत खड्का आ चौधरीके माघ महिनाके सर्वोत्कृष्ठ प्रहरी घोषित कएलगेल १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालय विराटनगर जानकारी देने अछि । किछ समय पहिने मोरङ धनपालथान गाउँपालिका वडा नम्वर–७ के कुसियार खेतमें गाडल अवस्थामें भेटल दुगोटे ब्यक्तीके शव आ ललितपुर, गोदावरी नगरपालिका वडा नम्वर–१२ स्थित गोदाम घरमें गाडल अवस्थामें भेटल दोसर ब्यक्तीके शव सम्बन्धित आपराधिक घटनामें संलग्नसबके पक्राउकक कानुनी दायरामें आनमें खेललगेल महत्वपुर्ण भुमिकाके कदर करैत खड्का आ चौधरीके माघ महिनाके सवोत्कृष्ट प्रहरी घोषणा कएलगेल सम्बन्धित कार्यालय जानकारी देने अछि ।

अहिके संगे आम नागरिकमें सुरक्षाके अनुभूति कायम करैत नागरिक समक्ष प्रहरीके छवि उँच बनाबमें सेहो खड्का आ चौधरीके भुमिका प्रशंसनीय रहल १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालय विराटनगर जानकारी देने अछि ।
प्रहरी कर्मचारीके मनोवल बढाबलेल तथा सम्पादित कार्यके उचित मूल्याङकन करैत १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालय विराटनगर प्रदेश भरिके प्रहरी कर्मचारीसब मध्य प्रत्येक महिना सर्वोत्कृष्ट प्रहरी चयन करैत आएल अछि ।

सर्वोत्कृष्ट घोषित भेल प्रहरी कर्मचारीके पुरस्कृत करैत ओकरासबद्वारा सम्पादित उत्कृष्ट कार्यके बिवरण सहितके फ्लेक्स प्रिण्ट कक १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालय बिराटनगरमें निर्माण कएलगेल स्तम्भ तथा १ नम्बर प्रदेश अन्तर्गत रहल इलाका प्रहरी कार्यालयसबमें १ महिना धरि राखल जाईत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु