विराटनगर ५ फागुन । नेपाल पुर्वप्रहरी संगठन, सामुदायिक प्रहरी सेवाकेन्द्र तीनपैनीके कोभिड सुरक्षा सामाग्रि प्रदान कएने अछि । समुदायमें कोभिड नियन्त्रणमें सहयोग पहुंचाबएके उद्धेश्यसहित संगठन सामुदायिक प्रहरीके कोभिड सुरक्षा सामाग्रि प्रदान कएने अछि ।
विराटनगरके तीनपैनीचौकपर एकटा कार्यक्रमके आयोजना करैत संगठन सुरक्षा सामाग्रि हस्तान्तरण कएने अछि । कार्यक्रमकबीच नेपाल प्रहरीके पुर्व डिआईजी भक्तीनाथ माझी सामुदायिक सेवाकेन्द्र तीनपैनीके अध्यक्ष मिना जोशीके कोभिड सुरक्षा सामाग्रि हस्तान्तरण कएनेछलथि । ओहिक्रममें सामुदायिक प्रहरीके मास्क ४ हजार थान र फेसशिल्ड ५ सय थान प्रदान कएलगेल सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र तीनपैनीक सचिव सुमित निरौला जानकारी देनेछथि ।
कार्यक्रममें बजैत पुर्व डिआईजी माझी, कोभिड नियन्त्रण राज्यके दायित्व रहल आ ओहिमें किछु सहयोग होए उद्धेश्यकसंग कोभिड सुरक्षा सामाग्रि उपलब्ध कराएलगेल बतौलनि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङक प्रहरी प्रवक्ता डिएसपी दिपक श्रेष्ठ, पुर्व प्रहरी संगठन कानुन कार्यान्वय आ सामाजिक उत्थानमें निर्वाह करेत आएल भुमिका सराहनिय रहल बतौने छलथि । कार्यक्रममें पुर्व एसपी विद्यानन्द माझी आ पुर्व डिएसपी कोबिन्द कार्की लगायतक ब्यक्तीसब पुर्व प्रहरी संगठनके भुमिकाके बिषयमें बजने छलथि ।
कार्यक्रम उपरान्त सामुदायिक प्रहरीके प्राप्त कोभिड सुरक्षा सामाग्रि मास्क नै पहिरनिहार सर्वसाधारणके वितरण कएलगेल छल । मास्क वितरण कार्यक्रममें पुर्व प्रहरी संगठनक पदाधिकारीके साथे सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र तीनपैनीके सदस्य माईकल बाहेती,अधिवक्ता सुनिल कर्ण,समाजसेवीसब बिजय शर्मा,सुशिल मुन्दडा आ शेरसिंह दुगड लगायतक ब्यक्तसब सेहो सहभागि भेल छलथि ।