मिथिला प्राचीन कालसँ ज्ञान, साधना, संस्कृति, कला आ साहित्यक पुण्यभूमि रहल अछि। एतय के धरती पर वेद-वेदान्तक गूंज जतेक मुखर रहल, ओतवे लोकसंस्कृतिक स्वर सेहो जीवंत रहल अछि।

मिथिलाक ग्राम्य जीवनमे लोकगीत, लोककथा, लोकनृत्य आ लोकनाट्य के परंपरा केवल मनोरंजनक साधन नहि, अपितु जनजीवनक आत्मा स्वरूप रहल अछि। एहि समृद्ध लोकपरंपरा मे “नाच” अथवा लोकनाट्य के विशेष स्थान रहल अछि। मिथिलाक लोकनाट्य सामाजिक चेतना, लोकशिक्षा, सामूहिक अनुभूति आ सांस्कृतिक अस्मिता के सशक्त माध्यमक रूप मे विकसित भेल। एहि गौरवशाली लोकनाट्य परंपराक इतिहासमे कुवँर वृजभान के नाम अत्यन्त श्रद्धा आ सम्मानसँ स्मरण कएल जाइत अछि।

ऐतिहासिक पृष्ठभूमि
बीसम शताब्दीक मध्यकाल मिथिला समाज लेल संक्रमण काल छल। एक दिस अंग्रेजी शासनक प्रभाव ग्रामीण जीवन पर पड़ि रहल छल, दोसर दिस जमींदारी प्रथा, सामाजिक विषमता, अशिक्षा, निर्धनता, जातिगत विभाजन आ अंधविश्वास समाज केँ भीतर सँ जर्जर बना रहल छल । ग्रामीण जनजीवन अनेक प्रकारक सामाजिक कुरीति आ शोषण सँ पीड़ित छल। समाजमे नारीक स्थिति दयनीय छलै, गरीब वर्ग शोषण के शिकार छल आ सामन्तवादी मानसिकता जनमानस पर गहिर प्रभाव छोड़ने छल।

एहन विषम परिस्थितिमे लोकनाट्य केवल मनोरंजनक माध्यम नहि , बल्कि जनजागरण के प्रभावशाली साधन बनि उभरल । ग्राम्य जनसमूह जे शिक्षा सँ वंचित छल, लोकनाट्यक माध्यम सँ सामाजिक यथार्थ बुझए लागल। एहि कालखंड मे कुवँर वृजभान अपन कलात्मक प्रतिभा, सामाजिक चेतना आ लोकधर्मिता के बलपर मिथिलाक नाच परंपरा मे नव चेतनाक संचार कएलनि।

यद्यपि हुनक जीवन सँ संबंधित लिखित ऐतिहासिक सामग्री सीमित मात्रा मे उपलब्ध अछि तथापि लोकस्मृति, मौखिक परंपरा, वरिष्ठ लोककलाकारक संस्मरण, ग्रामीण कथोपकथन आ लोकइतिहास हुनक व्यक्तित्व आ योगदान के पर्याप्त प्रमाण प्रस्तुत करैत अछि। मिथिलाक अनेक रंगकर्मी, कलाकार आ सांस्कृतिक शोधकर्ता कुवँर वृजभान केँ लोकनाट्य परंपराक प्रमुख स्तंभ के रूपमे स्वीकार करैत छथि।

लोकनाट्य मे कुवँर वृजभानक योगदान

कुवँर वृजभान मिथिलाक पारंपरिक नाच केँ संगठित, प्रभावशाली आ सामाजिक दृष्टि सँ उपयोगी स्वरूप प्रदान कएलनि। हुनकर नाच मे गीत, संगीत, अभिनय, संवाद, हास्य, व्यंग्य आ नृत्यक अद्भुत समन्वय देखल जाइत छल। ओ केवल कलाकार नहि, अपितु लोकमानसक कुशल अध्येता छलाह। हुनका समाजक पीड़ा, संघर्ष आ विडम्बनाक गहन अनुभव छल।

हुनकर नाचक विषयवस्तु लोकजीवनसँ प्रत्यक्ष रूपेँ जुड़ल रहैत छल। ओ दहेज प्रथा, जातिगत भेदभाव, नारी उत्पीड़न, सामाजिक पाखंड, आर्थिक शोषण, मद्यपान, अंधविश्वास आ अन्य सामाजिक विकृतिक विरुद्ध नाट्यमाध्यम सँ अपन स्वर उठबैत छलाह। एहि प्रकार हुनकर लोकनाट्य सामाजिक परिवर्तनक उपकरण बनि गेल।

हुनकर प्रस्तुतिमे यथार्थवादक अद्भुत शक्ति छल। ओ काल्पनिक मनोरंजन पर कम, आ समाजक वास्तविक समस्या पर बेसी बल दैत छलाह। एहि कारणेँ ग्रामीण दर्शक अपन जीवन के प्रतिबिंब हुनकर नाच मे देखैत छल। एहन कलाकृति तत्कालीन समाजक जीवंत दस्तावेज समान प्रतीत होइत अछि।

भाषा आ शैलीक विशिष्टता

कुवँर वृजभान के नाचक एक प्रमुख विशेषता हुनकर भाषा शैली छल। ओ ठेठ ग्रामीण मैथिली केँ अपन अभिव्यक्तिक माध्यम बनौलनि। हुनकर संवाद सहज, स्वाभाविक, मार्मिक आ लोकजीवन सँ ओतप्रोत रहैत छल। ओहि भाषामे मिथिलाक खेत-खरिहान, चौपाल, आँगन, परिवार, संबंध, संवेदना आ संघर्षक सजीव झलकि भेटैत अछि।

भाषावैज्ञानि के दृष्टिसँ देखल जाए तँ हुनकर नाट्यसंवाद मैथिली लोकभाषाक ऐतिहासिक स्वरूप के अमूल्य प्रमाण प्रस्तुत करैत अछि। ओ साहित्यिक कृत्रिमता सँ दूर रहि जनभाषाक सहज माधुर्य केँ अपन रचनाक आधार बनौलनि। हुनकर अभिनय शैली सेहो अत्यन्त प्रभावकारी छल। ओ शास्त्रीय रंगमंच के औपचारिकता सँ भिन्न, स्वाभाविक लोकाभिनय पर आधारित छल। पात्र के शारीरिक हावभाव, लोकधुनि आ सामूहिक प्रस्तुति दर्शक केँ अन्तर्मन सँ प्रभावित करैत छल। आइयो मिथिलाक अनेको लोकनाट्य मंडली मे हुनकर अभिनय शैलीक प्रभाव दृष्टिगोचर होइत अछि।

लोकस्मृति आ मौखिक परंपरा मे वृजभान

लोकइतिहास के आधार सदैव मौखिक परंपरा रहल अछि। ग्राम्य समाज अपन सांस्कृतिक इतिहास केँ लोकगीत, लोककथा, स्मृति आ जनश्रुति के माध्यम सँ सुरक्षित रखैत आबि रहल अछि। कुवँर वृजभानक इतिहास सेहो एहि लोकस्मृति के अमूल्य निधिक रूपमे संरक्षित अछि। मिथिलाक अनेक गाममे वृद्ध लोककलाकार एखनहुं हुनकर नाम आदर सँ लैत छथि। हुनकर नाचक प्रसंग, संवाद आ गीत लोकमानसमे जीवित अछि। ई तथ्य एहि बातक सशक्त प्रमाण अछि जे कुवँर वृजभान केवल एक कलाकार नहि, बल्कि लोकचेतनाक प्रतिनिधि व्यक्तित्व छलाह।

सांस्कृतिक प्रभाव आ वर्तमान संदर्भ

कुवँर वृजभानक लोकनाट्य मिथिला के सांस्कृतिक चेतनामें गहिर प्रभाव छोड़ि गेल अछि। हुनकर परंपरा सँ प्रेरित भऽ अनेक लोकनाट्य मंडली सामाजिक विषयपर आधारित नाच प्रस्तुत करैत अछि। आधुनिक समयमे जखन लोकसंस्कृति बाजारवादक दबावमे कमजोर पड़ैत जा रहल अछि, तखन वृजभानक लोकधर्मी दृष्टिकोण आ सामाजिक प्रतिबद्धता अत्यन्त प्रासंगिक प्रतीत होइत अछि।

हुनकर कला एहि सत्यकेँ स्थापित करैत अछि जे लोकनाट्य केवल मनोरंजन नहि, बल्कि समाज परिवर्तन के सशक्त साधन भऽ सकैत अछि। ओ अपन कला के माध्यमसँ समाजक सोचबाक, आत्ममंथन करबाक आ परिवर्तनक प्रेरणा देबाक कार्य कएलनि।

उपसंहार

कुवँर वृजभान मिथिलाक लोकनाट्य इतिहासक अमिट व्यक्तित्व छथि। ओ केवल रंगकर्मी नहि, अपितु समाजक संवेदनशील द्रष्टा, लोकसंस्कृतिक संरक्षक आ जनचेतनाक वाहक छलाह । लिखित ऐतिहासिक दस्तावेज के अभाव रहितहुं लोकस्मृति, मौखिक परंपरा आ सांस्कृतिक प्रभाव हुनकर ऐतिहासिक प्रमाणिकता केँ पुष्ट करैत अछि। हुनकर नाच मिथिला समाजक तत्कालीन जीवनस्थितिक सजीव अभिलेख थीक । एहि माध्यमसँ तत्कालीन सामाजिक संघर्ष, लोकचेतना, पीड़ा आ परिवर्तन के आकांक्षा स्पष्ट रूपेँ परिलक्षित होइत अछि।

अस्तु, कुवँर वृजभानक योगदान मिथिला के लोकनाट्य, लोकसंस्कृति आ सामाजिक इतिहासमे सदैव स्वर्णाक्षरमे अंकित रहत। भविष्यक शोध, अध्ययन आ सांस्कृतिक विमर्शमे हुनकर व्यक्तित्व आ कृतित्व अवश्यमेव महत्वपूर्ण विषय बनल रहत।

सम्बन्धित खबरहरु