विराटनगरस्थित कोशी अस्पतालके मेडिकल सुपरीटेण्डेन्टमें बरिष्ठ चिकित्सक लक्ष्मीनारायण यादव नियुक्त भेल छथि ।
स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय डाक्टर यादवके भादो १५ गते बुधदिन निमित्त मेसु नियुक्त कएने अछि । डाक्टर यादव २०७१ सालसँ कोशी अस्पतालमें वरिष्ठ कन्सल्टेन्ट फिजिसियनके रुपमें कार्यरत छथि । अहिसँ पहिने यादव कोशी अस्पतालके प्रवक्ताके भुमिका सेहो निर्वाह कचुकल छथि ।
कोरोना कालमें संक्रमितके उपचारमें हिनकर योगदान स्मरणिय अछि । २०५८ सालमें लोक सेवा पास कएलापर धनुषा स्वास्थ्य चौकीमें हुनक पहिल पोष्टिङ भेल छल । ६ महिना ओहि अस्पतालमें सेवा देला पश्चात झापाके मेची अस्पतालमें डाक्टर यादवके सरुवा भेल छल ।
२०६६ सालमें एमडी कएलापश्चात मेची अस्पताल होईत डाक्टर यादव कोशी अस्पतालमें सेवा दैत आएल छथि । अहिसँ पहिने डाक्टर यज्ञराज खरेल कोशी अस्पतालके निमित्त मेसु पदपर कार्यरत छलथि ।