विराटनगर २७ माघ । मैथिल ब्राह्मण महासभा युवा कार्यसमितिके आयोजनमें होमजारहल निःशुल्क सामुहिक उपनयन यज्ञोपवीत कार्यक्रमके सम्पुर्ण तैयारी पुरा भेल अछि । ११ फरबरीके शुक्रदिन विराटनगर लग रहल कटहरी गामपालिकाके वार्डनम्बर १ स्थित गोपाल फन पार्कमें इ कार्यक्रम होमजारहल अछि ।
कार्यक्रम आयोजनहेतु आवश्यक सबप्रकारक तैयारी पुरा भचुकल आयोजक संस्थाक अध्यक्ष मनोज मिश्र जानकारी देनेछथि । सामुहिक उपनयन यज्ञोपवीत कार्यक्रममें नेपालक विभिन्न जिलाक साथे भारतसँ सहभागि होमआएल बरुवाके सेहो निःशुल्क उपनयन कएलजाएत मिश्र जानकारी देनेछथि । मोरंग जिला प्रशासन सँ अनुमति प्राप्त भेला पश्चात कोरोना गाइडलाइनक पालन करैत इ कार्यक्रम आयोजन भरहल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।
कार्यक्रमके सभ्य आ भब्यरुपमें सम्पन्न करएलेल युवा कार्यसमितिक अध्यक्ष मनोज मिश्र, उपाध्यक्ष बिपीन कुमार झा,सचिव सूरज मिश्रा, संतोष झा,चंंद्रकांत ठाकुर, अरुण ठाकुर,नवीन कुमार झा,सुभाष चंद्र झा,शुभम मिश्र प्रशान्त,निशित मिश्र ,जितेंद्र झा ,अभिषेक झा सक्रिय रूप सँ जुटल छथि । बरूवा आ हुनक अभिभाबक सबहक आवास आ खान पानक व्यस्था सेहो कएलगेल अछि । उपनयनमेंं दर्जनों पंण्डित लोकनिके उपस्थिति रहतन्हि जे मैथिल परंपरा अनुसार उपनयन सम्पन करौताह ।
७१ गोटे बरुवाके सहभागि कराक इ धार्मिक अनुष्ठान पहिलबेर शुरु कएलजारहल मैथिल ब्राह्मण महासभा नेपाल क राष्ट्रीय अध्यक्ष भगवान झा बतौनेछथि । प्रदेश एकमें पहिलबेर अहि प्रकारक कार्यक्रम आयोजन भरहल अछि । कार्यक्रमक मकालु टेलिभिजनसँ प्रत्यक्ष प्रशारण सेहो कएलजाएत । अहि कार्यक्रमके भोरे ११ बजेसँ १२ बजे आ दुपहरियामें २ बजेसँ मकालु टेलिभिजन लाईभ टेलिकास्ट करत आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।