विराटनगर । सुप्रसिद्ध गायक जागेश ठाकुर अभिनित ‘कोन मन्तर’ बोलके मैथिली गित सार्वजनिक भेल अछि ।
अपन गायन कलाके माध्यमसँ मिथिला मधेशमें चर्चित रहल युवा गायक ठाकुर अहि गितसँ पहिलबेर मोडलिङके क्षेत्रमें सेहो प्रवेश कएने छथि । अहि गितमें ठाकुरके नवोदित अभिनेत्री विनिता ऋषि साथ देने छथि । अहिसँ पहिने बनल गितसबके भिडियोमें अपन लिप्सिङ रहलोपर नायिका संग अभिनय कएल ई गित अपन जीवनके पहिल गित रहल ठाकुर बतौने छथि ।
स्वयंद्वारा गाएल गितमें मैथिली अनलाइनद्वारा नायकके भुमिका अफर कएलापर स्विकार कएलहुँ ठाकुरके कहब अछि । गितमें जागेश ठाकुर आ शान्ति सदा स्वर देनेछथि । नवीन कर्णके शब्द रहल अहि गितमें धर्मेन्द्र शर्मा संगितबद्ध कएने छथि । मिर्चैयाके ए.एफ प्रोडक्सन स्टुडियोमें अहि गितके रेकर्डिङ कएलगेल अछि ।
बराहक्षेत्र नगरपालिकास्थित सप्तकोशीके कछार आ बर्जु गाउँपालिमें रहल शान्ति बनमें अहि गितके छायांकन कएलगेल अछि । राजु राजदेव चौधरी गितके भिडियो निर्देशन कएने छथि । ‘कोन मन्तर’ बोलके इ गित मैथिली अनलाइनके युट्यूब च्यानलपर रिलिज भेल अछि ।
निच्चामें रहल लिंकपर क्लिक कक इ गित देखल जासकैत अछि ।